असम मे चुनाव प्रचार चरम पर

डॉ. समरेंद्र पाठक

गुवाहाटी। असम मे राज्य विधानसभा चुनावक तारीख जखन-जखन नजदीक आबि रहल अछि, प्रचार चरम पर पहुंचि गे ल अछि। लोक-लुभावन वादा सभक संग आरोप-प्रत्यारोपक दौर सेहो चरम पर पहुंचि गेल अछि।
कांग्रेस नेता राहुल गांधी राज्यक हिमंत विश्व सरमा सरकार पर भ्रष्टाचारक गंभीर आरोप लगबैत कहलनि अछि जे सरकार बनलापर ओहिना जेल पठाएब। एकर जवाब मे सरमा कहलनि जे ओ सात जन्म मे सेहो एना नहि क’ सकत छथि।
राज्य मे सत्तारूढ़ एनडीए प्रत्याशी सभक लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, गृह मंत्री अमित शाह आ मुख्यमंत्री सरमा सहित अनेक शीर्ष नेता एड़ी-चोटी एक क’ देल छथि, जखन कि विपक्षी गठबंधनक लेल कांग्रेस नेता राहुल गांधी, गौरव गोगोई आ इमरान प्रतापगढ़ी जोरदार प्रचार क’ रहल छथि।
असमक 126 विधानसभा सीट पर आगामी 9 अप्रैल के वोट पड़त। एकरा लेल काल्हि सांझ 5 बजे प्रचार थमि जाएत। मतगणना सभ चुनावी 5 राज्य मे एक संग 4 मई के होएत।
ओतहि राजनीतिक पार्टी सभक यात्रा, केंद्रीय नेता सभक दौरा, गांव-कस्बा मे लागल पोस्टर आ झंडा सभ चुनावी माहौल के चरम पर पहुंचा देलक अछि। असम विधानसभा क मौजूदा कार्यकाल 20 मई के खत्म होएत।
असम मे भाजपा वर्ष 2021 मे कुल 93 सीट पर चुनाव लड़ने छल आ 60 सीट पर जीत हासिल कएलक। ओकर नेतृत्व वाला एनडीए कुल 126 सीट मे 75 सीट पर जीत दर्ज कएलक। हालांकि 2016 के मुकाबला मे एनडीए के एहि चुनाव मे 11 सीटक नुकसान भेल छल।
असम मे पछिला एक दशक स’ विपक्ष मे बैसल कांग्रेस पछिला विधानसभा मे 95 सीट पर चुनाव लड़ने छल आ मात्र 29 सीट जीत पेलक। कांग्रेस नेतृत्व वाला गठबंधन 50 सीट पर जीत दर्ज कएलक। एहि तरह 2016 के मुकाबला मे कांग्रेस नेतृत्व वाला गठबंधन के 2021 चुनाव मे 10 सीटक फायदा भेल छल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *