
रामबाबू सिंह मधेपुर
नेपाल सदिखनसँ भारतक मित्र राष्ट्र रहल अछि। उत्तरप्रदेश आ विहारक सीमा आओर खासकय मिथिला भोजपुर अवध क्षेत्र जे सीमाक दुनू पारमे अवश्य अवस्थित अछि मुदा सभ तरहेँ एकहि अछि। दुनू देशक बीच रोटी बेटीक सम्बंध आदिकालसँ अबैत रहल अछि। एखनहुँ सीता जीक ओहि पारक मिथिलामे महल आ एहि पारक मिथिलामे जन्मडीह छनि। दुनू ठाम दुनू देशक लेल अस्थाक पवित्र दर्शनीय स्थान रहल अछि। मुदा चीनक शह पर नेपाल सीमा विवाद आरम्भ कS देलक आ ताहिसँ अज्ञान वर्तमान मोदी सरकार अकान बहीर भेल चिरनिद्रामे पड़ल अछि। यथार्थमे हिनक चुप्पी देशक लेल दुर्भाग्यपूर्ण अछि।
सामरिक दृष्टिसँ भारतक उतरी सीमान बहुत महत्वपूर्ण केंद्र मानल जाएत अछि। ताहि कारणे चीन ओहि क्षेत्रमे अपन दबदबा बनएबाक प्रयासमे नेपालकेँ उकसा रहल अछि। तहिना नेपाल ओकर तालमे ताल मिला नृत्य प्रदर्शन कS रहल अछि मुदा एहन विषम कालमे भारत सरकारक रक्षा मंत्रालयक चुप्पी चिंताजनक अछि, स्तब्ध करय बला अछि। दू दिन पहिने सीतामढ़ी जिलाक जानकि नगर सीमान पर नेपाली सेना द्वारा अनावश्यक फायरिंग कएल गेल। जाहिमे सीमान पर मैथिल किसान नीतीश कुमार मारल गेलाह आ दु गोटा भयानक रूपसँ घायल भेलाह। नेपालक एहि आकस्मिक गोलीबारीसँ समस्त मिथिला क्षेत्र हतप्रभ अछि, आक्रांत अछि। ओना मैथिल आन्दोलनी सभकेँ एहि तरहक घटनासँ कोन काज! ओ सभ फेसबुक सोसल साइट आदि पर लाइव भS नृत्य गीत कविताक माध्यमसँ मनोरंजनमे मस्त छथि, एहि दुनियासँ दूर बिनु कोनो चिंता फीकीरके! माँ जानकि सद्बुद्धि प्रदान करथि।
सुगौली संधि हो वा बादक कोनो संधि मिथिलाकेँ दू फारमे फ़ारल गेल अछि तथापि दुनू पारमे रोटी बेटीक सम्बंध रहल अछि। सांस्कृतिक सामाजिक एहन प्रगाढ़ सम्बंध जे कहिओ नहि लगैए कि जनकपुर आ कि मधुबनी, मोरंग आ कि अररिया एक दोसरसँ अलग अछि। दुनूक बीच एकटा आत्मीय बंधन बनल अछि। एहि तरहक आदिकालक मित्रतापूर्ण सम्बन्धकेँ वर्तमान नेपाल सरकार चीनक शह पर सीमान पर बेर बेर उलंघन करब भायाओन भविष्य दिसि इंगित करैत अछि।
कहीं 1947 केS बाद जेना मिथिलाक महत्वपूर्ण राजपरिवार दुर्गागंज जे एखन बंग्लादेशमे पड़ैत अछि, से छोड़य पड़ल। आब ओ सभक स्मृतिसँ विस्मरण सेहो भS गेल हएत। तहिना कहीं जनकपुर मोरंग तँ नहि भS जाएत! एहि पर चितन आ चिता करबाक विषय अछि। ओम्हर चीन सेहो लद्दाखक दूटा महत्वपूर्ण घाटीमे घुसिकS तम्बू गारि अंगद जकाँ पएर जमा देल अछि। मुदा एहि पर सरकार सँग राष्ट्रीय मीडियाक बकार बन्द छनि। पाकिस्तान जकाँ चीन पर रिपोर्टिंग नहि करबाक कारण की भS सकैत अछि? जिग्याशावश
खैर हमर चिंता अप्पन क्षेत्र मिथिलाकेँ लSक अछि, एहि हिंसात्मक घटनाक उपरांत खासकय मिथिला समाजकेँ सक्रिय रूपसँ आगू अएबाक चाही। जँ सरकार अहिना कानमे तूर दS निचेन सूतल रहल तँ नेपालक नक्सा अहिना बढ़ल चलल जाएत आ हमरा सभ मूकदर्शक बनि मोन मसोरि कS रहि जाएब! विवादित नक्सा सेहो नेपालिय संसदमे सेहो ध्वनिमतसँ पारित भS गेल। देखबाक चाही जे कहिआ धरि निन्न खुजैत छैक निसभेर पड़ल कुम्भकर्णी सरकारकेँ!