
मुंबई। बारामती विधानसभा उपचुनाव महाराष्ट्रक विपक्षी गठबंधन महाविकास आघाड़ी केर आंतरिक असहमति कें उजागर क’ देलक। पूर्व उपमुख्यमंत्री अजीत पवार केर निधन के बाद होमयबला उपचुनाव में हुनकर पत्नी सुनेत्रा पवार एनडीए क उम्मीदवार छथि, जिनका विरुद्ध शरद पवार आ उद्धव गुट चुनाव नहि लड़बाक निर्णय केलक जखनकि कांग्रेस अपन उम्मीदवार ठाढ क’ देलक।
बारामती पवार परिवार केर पारंपरिक गढ़ अछि। शिवसेना (यूबीटी) आ शरद पवार केर एनसीपी (एसपी) सुनेत्रा पवार क खिलाफ चुनाव नहि लड़बाक निर्णय लेलनि, मुदा कांग्रेस आकाश मोरे कें अपन उम्मीदवार घोषित क’ देलक।
शिवसेना (यूबीटी) केर मुखपत्र ‘सामना’ केर संपादकीय मे कांग्रेस केर राजनीतिक अपरिपक्वता आ संकीर्ण सोच पर आलोचना कएल गेल अछि। राज्यसभा सांसद संजय राउत द्वारा लिखल संपादकीय मे कहल गेल अछि जे समझदारी कमजोरी नहि, बल्कि परिपक्वता अछि। संपादकीय मे कांग्रेस पर व्यंग करैत कहल गेल अछि जे अगर कांग्रेस के लागैत छैक जे एकटा सीटे ओकर सीमा अछि, त’ ओकरा अपन महत्वाकांक्षा के फेर सँ आकलन करबाक आवश्यकता अछि।
संपादकीय में कांग्रेस पर 2022 मे उद्धव ठाकरे सरकार गिरेबाक आरोप सेहो लगायल गेल अछि। कहल गेल अछि जे कांग्रेस बिना सहयोगी दल सँ चर्चा कए विधानसभा स्पीकर पद सँ इस्तीफा देलक, जाहिसँ सरकार मे “संरचनात्मक दरार” पैदा भेल आ सरकार खसि पड़ल।
‘सामना’ मे तीख टिप्पणी करैत कहल गेल अछि जे अगर राहुल गांधी केंद्र में नेतृत्व कर’ चाहैत छथि, त’ कांग्रेस के शिवसेना (यूबीटी) आ एनसीपी (SP) सन क्षेत्रीय दल के “सहायक बैसाखी” नहि बुझबाक चाही। सहयोगी दल के समान भागीदार आ माटिक बेटा के आवाज मानबाक चाही।
दोसर दिस कांग्रेस नेता सचिन सावंत ‘सामना’ केर संपादकीय पर तीख प्रतिक्रिया देलनि। हुनकर कहलनि जे संजय राउत पत्रकार आ पार्टी प्रवक्ता केर भूमिका मे अक्सर भ्रमित भ’ जाइत छथि। ओ ई बात बिसरि जाइत छथि जे जखन ओ एकटा उंगली दोसरा पर उठबैत छथि, तखन चारि उंगली हुनकर दिस होइत अछि। सावंत कहलनि जे अगर ई सब मुद्दा नहि होइत, त’ महाविकास आघाड़ी आई मुंबई आ चंद्रपुर नगर निगम मे सत्ता मे रहितै।