
नई दिल्ली। केंद्रीय मंत्री रामदास अठावले आ राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी (SP) प्रमुख शरद पवार समेत 19 नव आ दोबारा चुनल गेल राज्यसभा सदस्य सभ सोमदिन शपथ लेलनि। शरद पवार व्हीलचेयर पर शपथ लेबाक लेल संसद पहुंचल छलाह। जखनकि बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 10 अप्रैल के राज्यसभा सांसद केर रूप मे शपथ लेताह।
शपथ लेनिहार सभ मे 5 महाराष्ट्र, 3 ओडिशा, 6 तमिलनाडु आ 5 पश्चिम बंगाल सँ छथि। राज्यसभा केर सभापति सी.पी. राधाकृष्णन केर उपस्थिति मे सदस्य सभके शपथ दियाओल गेल।
ज्ञातव्य अछि जे 16 मार्च के 10 राज्य केर 37 राज्यसभा सीट लेल चुनाव भेल छल। एखन 18 सांसद सभक शपथ लेबाक बाकी छथि। बिहार केर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 10 अप्रैल के राज्यसभा सांसद केर रूप में शपथ लेताह।
16 अप्रैल सँ संसद केर विशेष सत्र बुजाओल गेल अछि। एहिमे महिला आरक्षण कानून मे संशोधन सँ जुड़ल महत्वपूर्ण बिल पर चर्चा सेहो होयत।
एखन लोकसभा मे 543 सीट अछि। प्रस्तावित 50% वृद्धि के बाद सीट संख्या बढ़ि क’ 816 भ जाएत, जाहिमे सँ 273 (लगभग एक-तिहाई) सीट महिला सभ लेल आरक्षित होएत।
सरकार 2023 मे संसद केर विशेष सत्र मे महिला आरक्षण विधेयक पेश कएने छल। ओहि समय एहि बिल के आधिकारिक रूप सँ ‘नारी शक्ति वंदन अधिनियम’ कहल गेल छल।