दिल्ली में सिंपल एनर्जी के दू नया रिटेल स्टोर शुरू, इलेक्ट्रिक वाहन बाजार में विस्तार

नई दिल्ली। देशक प्रमुख ऑटोमोबाइल कंपनी ‘सिंपल एनर्जी’ राजधानी दिल्ली में अपन दूटा नया रिटेल स्टोर खोलबाक घोषणा कएने अछि। एहि संग कंपनी आधिकारिक रूप स’ दिल्ली बाजार में प्रवेश क’ लेने अछि।

एहि विस्तार के तहत कंपनी ‘ए एंड ए ऑटोक्राफ्ट’ के सहयोग स’ पूर्वी दिल्ली के पांडव नगर में लगभग 800 वर्ग फुट में पहिल स्टोर खोलने अछि। ग्राहक सभक सुविधा लेल स्टोर स’ करीब 5.5 किलोमीटर दूरी पर 650 वर्ग फुट के आधुनिक सर्विस सेंटर सेहो बनायल गेल अछि, जतय 15 लोकक बैठबाक व्यवस्था अछि।

ओहि तरह द्वारका में ‘श्री राधे मोटर्स’ के साझेदारी में 900 वर्ग फुट क्षेत्र में दोसर स्टोर शुरू कएल गेल अछि। एहि शोरूम के ठीक पीछे 600 वर्ग फुट के सर्विस सेंटर अछि, जतय 20 स’ 25 लोक तक बैठि सकैत छथि। कंपनी के अनुसार ई स्टोर आ सर्विस सेंटर केवल बिक्री बढ़ेबाक लेल नहि, बल्कि बिक्री के बाद बेहतर सेवा देबाक रणनीतिक प्रयास अछि।

ई अत्याधुनिक स्टोर सभ ग्राहकक जरूरत के ध्यान में रखि तैयार कएल गेल अछि, जतय कंपनीक इलेक्ट्रिक वाहन सभक विस्तृत रेंज उपलब्ध रहत। हालहि में कंपनी ‘सिंपल वन जेन 2’ इलेक्ट्रिक स्कूटर लॉन्च कएने अछि, जे दू बैटरी विकल्प में उपलब्ध अछि। 4.5 किलोवॉट घंटा बैटरी एक बेर चार्ज पर 236 किलोमीटर तक दूरी तय करैत अछि, जबकि 5 किलोवॉट घंटा बैटरी 265 किलोमीटर तक चलबाक क्षमता रखैत अछि।

एहि संग ‘सिंपल वन एस जेन 2’ स्कूटर सेहो उपलब्ध अछि, जे लगभग 190 किलोमीटर तक दूरी तय करैत अछि। स्टोर पर विभिन्न स्पेयर पार्ट्स आ एक्सेसरीज सेहो बिक्री लेल उपलब्ध अछि।

एहि अवसर पर कंपनीक संस्थापक आ सीईओ सुहास राजकुमार कहलनि जे, “दिल्ली तेजी स’ बदलैत मोबिलिटी ईकोसिस्टम आ बेहतर इलेक्ट्रिक वाहन नीति के कारण हमरा लेल महत्वपूर्ण बाजार अछि। पूर्वी दिल्ली आ द्वारका में स्टोर खोलि हम अधिक स’ अधिक ग्राहक तक पहुँच रहल छी। ई विस्तार केवल व्यापार नहि, बल्कि उच्च गुणवत्ता वाला इलेक्ट्रिक वाहन आम लोक तक पहुँचाब’ के प्रयास अछि।”

वर्तमान में सिंपल एनर्जी देशभर के 36 शहर में 68 आउटलेट चला रहल अछि, जाहि में बेंगलुरु, दिल्ली, पटना, भोपाल, आगरा, गोवा, विजयवाड़ा, हैदराबाद, विशाखापत्तनम, कोच्चि आ चेन्नई शामिल अछि। कंपनी जल्दिये नागपुर, रांची आ भुवनेश्वर जेकाँ शहर सभ में सेहो अपन शोरूम खोलबाक योजना बना रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *