सत्त्वा ग्रुप द्वारा उत्तर बेंगलुरु मे ‘15-मिनट सिटी’ अवधारणा पर आधारित 50 एकड़ के समेकित आवासीय परियोजना ‘सत्त्वा सिटी’ लॉन्च

बेंगलुरु।  Sattva Group द्वारा उत्तर बेंगलुरु मे ‘सत्त्वा सिटी’ नामक एकटा विशाल आवासीय परियोजना के शुभारंभ कएल गेल अछि। लगभग 50 एकड़ क्षेत्रफल मे फैलल एहि परियोजना के कुल अनुमानित विकास मूल्य ₹8,600 करोड़ सँ अधिक बताओल जा रहल अछि। ई परियोजना ‘15-मिनट सिटी’ अवधारणा पर आधारित अछि, जतय दैनिक जरूरतक सभ सुविधा पैदल दूरी पर उपलब्ध कराए जाएत।

‘15-मिनट सिटी’ अवधारणा दुनियाभर मे शहरी विकास के नव दिशा दैत अछि, जतय जीवनक गुणवत्ता, सुविधा आ समयक बचत पर विशेष ध्यान देल जाइत अछि। भारत मे सत्त्वा सिटी एहि मॉडल के अपनाबय वाला शुरुआती परियोजना सभ मे सँ एक मानल जा रहल अछि।

ई समेकित परियोजना मे आवास, कार्यस्थल, खरीदारी, मनोरंजन, शिक्षा आ स्वास्थ्य सुविधा के एके ठाम उपलब्ध कराओल जाएत, जाहि सँ निवासी सभ के आत्मनिर्भर जीवन शैली मिलत। संगहि प्रमुख सड़क आ सामाजिक आधारभूत संरचना सँ सहज संपर्क सेहो सुनिश्चित कएल गेल अछि।

एहि परियोजना के खास विशेषता एकर हरियाली अछि। कुल 50 एकड़ मे सँ करीब 84 प्रतिशत क्षेत्र हरित आ लैंडस्केप्ड स्पेस लेल समर्पित अछि, जकर अर्थ अछि जे लगभग 42 एकड़ खुला हरित क्षेत्र निवासी सभ के उपलब्ध रहत।

सत्त्वा सिटी मे 250 सँ अधिक आधुनिक इनडोर आ आउटडोर सुविधाक व्यवस्था कएल गेल अछि, जाहि मे जीवनशैली, स्वास्थ्य, मनोरंजन आ सामुदायिक गतिविधि के ध्यान राखल गेल अछि। आवासीय विकल्प मे 2, 2.5, 3 आ 3.5 बीएचके फ्लैट सँ ल’ क’ चुनिंदा 4 बीएचके आ पेंटहाउस धरि के विकल्प उपलब्ध रहत।

उत्तर बेंगलुरु के तेजी सँ विकसित होइत क्षेत्र मानल जा रहल अछि, जतय Kempegowda International Airport केर विस्तार, ग्लोबल कंपनियनक आगमन आ औद्योगिक विकास के कारणे तेजी सँ वृद्धि देखल जा रहल अछि। हालक वर्ष सभ मे 15–25 प्रतिशत तक संपत्ति मूल्य वृद्धि सेहो दर्ज कएल गेल अछि।

सत्त्वा ग्रुप के प्रबंध निदेशक बिजय अग्रवाल कहलनि जे कंपनी एहि क्षेत्र के विकास संभावना के पहिने सँ पहचान क’ एहि परियोजना के योजना बनौने छल। हुनका अनुसार, ई परियोजना आधुनिक तकनीक, हरियाली आ सुनियोजित शहरी जीवन के संगम प्रस्तुत करैत अछि।

सत्त्वा सिटी के लॉन्च ग्रुप के देशव्यापी विस्तार के संकेत सेहो देत अछि। कंपनी बेंगलुरु, मुंबई, विशाखापत्तनम, हैदराबाद, पुणे आ गोवा मे अपन उपस्थिति मजबूत करैत अछि आ भविष्य मे एकीकृत आ आधुनिक शहरी समुदाय विकसित करबाक दिशा मे अग्रसर अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *