इंडिगो के बोर्ड विलियम वॉल्श केँ मुख्य कार्यकारी अधिकारी नियुक्त करबाक घोषणा कएलक

नई दिल्ली: भारतक प्रमुख एयरलाइन इंडिगो (InterGlobe Aviation Limited) के बोर्ड  विलियम वॉल्श केँ मुख्य कार्यकारी अधिकारी (CEO) नियुक्त करबाक घोषणा कएलक अछि। ई नियुक्ति नियामकीय मंजूरी पर निर्भर करत।

जानकारी अनुसार, वॉल्श के कार्यकाल International Air Transport Association (IATA) में 31 जुलाई 2026 तक समाप्त होत, आ उम्मीद अछि जे ओ 3 अगस्त 2026 तक इंडिगो सँ जुड़ि जायताह।

विलियम वॉल्श, जे ‘विली’ नाम सँ सेहो जानल जायत छथि, वर्तमान में IATA के महानिदेशक छथि। ओ पहिने British AirwaysInternational Airlines Group (IAG) के मुख्य कार्यकारी अधिकारी रहल छथि। IAG एक होल्डिंग कंपनी अछि, जाहि के अंतर्गत Aer Lingus, British Airways, Iberia, Level आ Vueling जेकाँ एयरलाइंस शामिल अछि।

इंडिगो के चेयरमैन विक्रम सिंह मेहता हुनकर स्वागत करैत कहलनि जे, “एविएशन क्षेत्र के दिग्गज विलियम वॉल्श इंडिगो के नेतृत्व करथि, ई हमरा लेल खुशी के बात अछि। हुनकर व्यापक अनुभव आ वैश्विक बाजार के गहरी समझ कंपनी के विकास के नई दिशा देत।”

इंडिगो के प्रबंध निदेशक राहुल भाटिया कहलनि जे, “इंडिगो आब परिवर्तन आ विकास के एक नया चरण में प्रवेश कए रहल अछि। विली के अनुभव, वैश्विक दृष्टिकोण आ ग्राहक-केंद्रित सोच एहि महत्वपूर्ण समय में कंपनी के मजबूत नेतृत्व देत।”

वॉल्श के आधुनिक एविएशन इतिहास के सबसे सफल आ प्रभावशाली व्यक्तित्व में गिनल जाइत अछि। ओ अपने मजबूत प्रबंधन शैली, जटिल पुनर्गठन आ सफल विलय-अधिग्रहण के संचालन लेल जानल जायत छथि।

हुनकर करियर एक पायलट के रूप में शुरू भेल, जकरा बाद ओ Aer Lingus में COO आ CEO (2000–2005), British Airways में CEO (2005–2011) आ International Airlines Group में CEO (2011–2020) के रूप में सेवा देलनि। एहि के बाद ओ IATA के महानिदेशक बनलथि।

इंडिगो के नया CEO के रूप में वॉल्श एयरलाइन के समग्र प्रबंधन आ रणनीतिक दिशा के जिम्मेदारी संभालताह। ओ परिचालन प्रदर्शन मजबूत करबाक, नेटवर्क आ वाणिज्यिक रणनीति के विस्तार करबाक आ ग्राहक अनुभव बेहतर बनाबए पर विशेष ध्यान देताह।

अपन नियुक्ति पर वॉल्श कहलनि, “इंडिगो जेकाँ मजबूत नींव आ स्पष्ट दृष्टिकोण वाली एयरलाइन के नेतृत्व करबाक अवसर हमरा लेल गौरव के बात अछि। कंपनी के टीम के समर्पण आ पेशेवर सोच बहुत प्रेरणादायक अछि। हम सब मिलिके नवाचार, उत्कृष्टता आ दीर्घकालिक मूल्य निर्माण दिशा में काज करब।”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *