
नई दिल्ली। InterGlobe Aviation (IndiGo) केर बोर्ड द्वारा श्री Aloke Singh के कंपनीक मुख्य रणनीति अधिकारी (Chief Strategy Officer) के रूप मे नियुक्ति के घोषणा कएल गेल अछि।
एहि भूमिका मे श्री सिंह कंपनीक दीर्घकालीन रणनीतिक योजना के नेतृत्व करताह आ संगठन-व्यापी परिवर्तनकारी पहल सभ के गति देताह, जाहि सँ विकास के तेज करनाय, परिचालन दक्षता मे सुधार आ वैश्विक विमानन क्षेत्र मे प्रतिस्पर्धात्मक स्थिति के मजबूत करनाय संभव होयत। ओ नेतृत्व टीम संग मिलि विभिन्न विभागीय प्राथमिकता पर काज करताह, जाहि सँ कंपनीक चुस्ती, ग्राहक अनुभव आ दीर्घकालीन मूल्य सृजन मे वृद्धि होयत।
श्री आलोक सिंह लगभघ तीन दशक स’ अधिक विमानन उद्योगक अनुभव रखैत छथि, जाहि मे रणनीति, योजना, संचालन आ वाणिज्यिक क्षेत्र शामिल अछि। ओ जटिल परिचालन आ संगठनात्मक बदलाव के सफलतापूर्वक लागू करबाक, तीव्र विकास के दिशा देबाक आ बड़े स्तर पर विस्तार कार्यक्रम के प्रबंधन करबाक लेल जानल जाइत छथि।
हालहि मे ओ Air India Express केर प्रबंध निदेशक आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी रहल छथि, जतय हुनका नेतृत्व मे एयरलाइन मे महत्वपूर्ण बदलाव आयल, संचालन मे सुधार भेल आ तेजी स’ विकास दर्ज कएल गेल। एहिसँ पहिने ओ Air India आ Oman Air मे सेहो रणनीतिक नेतृत्व पद सभ पर कार्य करि चुकल छथि।
इंडिगो केर प्रबंध निदेशक Rahul Bhatia आलोक सिंह के स्वागत करैत कहलनि जे हुनकर रणनीतिक दृष्टि आ संचालन संबंधी गहराई कंपनी लेल अत्यंत महत्वपूर्ण साबित होयत। ओ कहलनि जे आलोक सिंह फिलहाल सीधे हुनका रिपोर्ट करताह आ नव मुख्य कार्यकारी अधिकारी (CEO) के पदभार ग्रहण करला के बाद ओ नव CEO के रिपोर्ट करताह।
अपन नियुक्ति पर प्रतिक्रिया देत श्री आलोक सिंह कहलनि जे इंडिगो संग जुड़ब हुनका लेल गर्वक विषय अछि, खासकर एहन समय मे जखन भारतीय विमानन क्षेत्र तेजी स’ वैश्विक स्तर पर विस्तार करि रहल अछि। ओ कहलनि जे ओ संगठनक संग मिलि रणनीति के मजबूत करबाक, परिचालन उत्कृष्टता के बढ़ेबाक आ नव बाजार सभ मे विस्तार करबाक दिशा मे कार्य करताह।