एजईज़ी क’ स्मार्ट लिक्विड डिस्ट्रीब्यूशन तकनीक संग भारत क’ पहिल एडल्ट डायपर पैंट लॉन्च

नई दिल्ली: अंतारा सीनियर केयर क’ अंतर्गत आबि रहल उपभोक्ता ब्रांड एजईज़ी (Ageasy) भारत में स्मार्ट लिक्विड डिस्ट्रीब्यूशन™ तकनीक सँ लैस पहिल एडल्ट डायपर पैंट लॉन्च कएलक अछि। खास तौर पर वरिष्ठ नागरिक सभ क’ जरूरत के ध्यान में राखि तैयार कएल गेल ई उत्पाद बेहतर अवशोषण, आराम आ भरोसेमंद सुरक्षा देबाक दावा करैत अछि। ई उत्पाद एजईज़ी क’ आधिकारिक वेबसाइट आ प्रमुख ई-कॉमर्स प्लेटफॉर्म सभ पर उपलब्ध अछि।

ई डायपर पैंट में उन्नत तीन-स्तरीय संरचना देल गेल अछि, जे तरल पदार्थ के तेजी सँ सोखि पूरा पैड में समान रूप सँ फैला दैत अछि। एह सँ झुकाव (सैगिंग) कम होइत अछि, लीकेज क’ खतरा घटैत अछि आ लंबा समय तक सूखापन बनल रहैत अछि। ई इन-हाउस विकसित तकनीक फिलहाल पेटेंट स्वीकृति क’ प्रक्रिया में अछि।

अंतारा सीनियर केयर क’ प्रबंध निदेशक आ सीईओ राजित मेहता कहलन्हि जे ई उत्पाद केवल स्वच्छता तक सीमित नहि अछि, बल्कि वरिष्ठ नागरिक सभ के आत्मविश्वास आ स्वतंत्र जीवन जीब’ में मदद करैत अछि। ओतहि, अंतारा असिस्टेड केयर सर्विसेज क’ सीईओ ईशान खन्ना बतौलन्हि जे खास डिजाइन कएल टॉप शीट आ डिस्ट्रीब्यूशन लेयर एह तकनीक के और प्रभावी बनबैत अछि, जाहि सँ तेज तरल प्रवाह आ बेहतर प्रदर्शन सुनिश्चित होइत अछि।

एजईज़ी एडल्ट डायपर पैंट के सामान्य अंडरगारमेंट जेकाँ पहनबाक हिसाब सँ डिजाइन कएल गेल अछि, जाहि सँ उपयोगकर्ता के अधिक सुविधा आ आराम मिलैत अछि। एहि लॉन्च क’ संग एजईज़ी वरिष्ठ नागरिक सभ लेल नवाचार-आधारित, सम्मानजनक आ सक्रिय जीवनशैली के बढ़ावा देबाक अपन प्रतिबद्धता के और मजबूत कएलक अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *