
बहुत कम लोक होइत छथि, जे पैघ पद वा कोनो सरकारी विभाग मे अधिकारी बनलाक बाद अपन गाम आ अपन समाज के सुध लैत छथि। मिथिला मे त विरले। एहन मे जदि किओ एहि महान कार्य कें अपना सं करैत छथि त अवश्ये ओ बधाई कें पात्र छथि। मैथिली टाइम्स केे नजरि मे सुशील कुमार सिन्हा जी एहने मिथिलाक लाल छथि, जे अपन गाम आ समाज कें उत्थान मे सदति लागल रहलाह।
मूलतः मधुबनी जिला के मंगति गाम (खजौली) के रहनिहार सुशील कुमार सिंहा दिल्ली विकास प्राधिकरण मे चीफ इंजीनियर छलाह। अपन करीब 36 साल के दिल्ली विकास प्राधिकरण के कार्यसेवा मे ओ विभिन्न जाति-वर्ग के करीब 500 मैथिल के दिल्ली विकास प्राधिकरण (आ बाद मे नोएडा विकास प्राधिकरण मे सेहो) योग्यतानुसार विभिन्न पद पर नौकरी पर लगौने छलाह। हुनके समय मे एक और मैथिल हरिवल्लभ झा सेहो डीडीए मे रहथिन्ह। ई दुनु गोटे के दिल्ली विकास प्राधिकरण मे हजारो लोक के नौकरी पर लगेबाक श्रेय छन्हि।
हुनक पिता स्व. राजेन्द्र कुमार सिंहा भारत के प्रथम मंत्रिमंडल के मंत्री सत्यनारायण सिंह के 32 वर्ष धरि निजी सचिव रहलाह। ओ तत्कालीन राजनीति के उतार-चढ़ाव, नेहरू-पटेल गुट के राजनीति के बहुत नजदीक स देखने रहथि। मैथिली टाइम्स पत्रिका मार्च 2003 के अंक मे हुनक वृहद साक्षात्कार सेहो प्रकाशित कयने छल।
सुशील कुमार सिंहा के विवाह 1970 मे भेल छलन्हि। आई हिनक विवाह के 50सम वर्षगाँठ छन्हि। मैथिली टाइम्स परिवार अहि दम्पति के अशेष शुभकामना प्रेषित करैत अछि आ उम्मीद करैत अछि जे ई हिनक दाम्पत्य जीवन वैवाहिक वर्षगाँठ के शतक लगाबैथ, स्वस्थ आ दीर्घायु रहथि।