ललित कुमार झा, वाशिंगटन
अमेरिका के राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प मलेरियारोधी दवाई हाइड्रोक्सीक्लोरोक्वीन के निर्यात के मंजूरी देबा लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के प्रशंसा करैत हुनका “शानदार” व्यक्ति कहैत कहला जे विपदा के अहि मोसकिल समय मे भारत के मददि के “बिसरल नहि जा सकत”। ध्यान देबाक बात अछि जे अमेरिका कोरोना वायरस के उपचार मे अहि दवाई के बहुत कारगर मानैत अछि।
ट्रम्प प्रधानमंत्री मोदी स मलेरिया के उपचार मे प्रयोग होय बला अहि दवाई के पठेबाक अनुरोध केने छलथि। गौरतलब अछि जे भारत हाइड्रोक्सीक्लोरोक्वीन के सबस पैघ उत्पादक देश अछि, मुदा सरकार अकर निर्यात पर रोक लगौने छल। अमेरिका के अनुरोध आ भारत अपन आवश्यकता के पूर्ण करबाक स्थिति के देखैत अहि रोक के हटा लेलक। गुजरात के तीन कम्पनी अमेरिका के अहि दवाई के निर्यात करत।
भारत अहि निर्णय स गदगद भ ट्रम्प कहलन्हि, ” हम जाहि चीजक अनुरोध केने रही, ओ प्रदान करबाक मंजूरी देबाक लेल हम भारत के प्रधानमंत्री मोदी के धन्यवाद दैत छियैन्ह। मोदी बहुत शानदार व्यक्ति छथि। हम अहि बात के यादि राखब।”
अहि स पहिने ट्रम्प ट्वीट के माध्यम स मोदी के मजगूत नेतृत्व के प्रशंसा करैत कहलैन्ह संकट के समय मे भारतक अहि मददि के बिसरल नहि जा सकत। ओ ट्वीट केलाह, “प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अहि लड़ाई मे नहि सिर्फ भारत अपितु मानवता के मददि मे अहांके मजगूत नेतृत्वक लेल धन्यवाद।”
गौर करबा योग्य अछि जे बुधदिन राति तक 14,600 अमेरिकी नागरिक के अहि संक्रामक रोग के कारण मृत्यु भ गेल छलन्हि आ करीब 4.3 लाख ल अधिक व्यक्ति अहि बीमारी स संक्रमित छथि। विश्व भरिक वैज्ञानिक आ चिकित्सा क्षेत्र मे रिसर्च केनिहार जुड़ल लोक अहि बीमारी के टीका आ दवाई के खोज मे लागल छथि।
अमेरिका के खाद्य आ औषधि प्रशासन हाइड्रोक्सीक्लोरोक्वीन के कोविड-19 के संभावित उपचार के रूप मे देखि रहल अछि आओर न्यूयॉर्क मे करीब 1500 स अधिक मरीज पर एकर प्रयोग कयल जा चुकल अछि। अहि कारणों ट्रम्प हाइड्रोक्सीक्लोरोक्वीन के करीब 2.9 करोड़ स अधिक गोली खरीदलाह अछि।
जॉन्स हॉप्किन्स विश्वविद्यालय के आंकड़ा के अनुसार कोरोना वायरस स 88,538 लोक के मृत्यु भ चुकल छन्हि आ करीब 15 लाख व्यक्ति अहि स संक्रमित छथि। अमेरिका मे संक्रमण के 4,31,838 मामला सामने आबि चुकल अछि। दोसर नम्बर पर स्पेन (1,48,220) आ तेसर नम्बर पर इटली (1,39,422) अछि।
भारतक अहि निर्णय के भारतीय-अमेरिकी समुदाय अहि फैसला के स्वागत केलैन्हि अछि। ट्रम्प के समर्थक अल मैसन कहलाह, “राष्ट्रपति ट्रम्प गरिमामय आ कृतज्ञ व्यक्ति छथि। जखन ओ कहैत छथि जे ओ भारत के अहि मददि के नहि बिसरताह त ओ ईमानदारी स ई बात कहि रहल छथि। ओ भारत के पकिया मित्र छथि।”

नीक आलेख।
प्रासंगिक आलेख।