खुनिया वायरस कोरोनासँ डरबाक नहि लड़बाक अछि

रामबाबू सिंह मधेपुर

वैश्विक महामारी कोरोना पछिला साल दिसंबरमे चाइनासँ पसरैत ओकर नेस्तनाबुद करैत अपन साम्राज्यक विस्तार अमेरिका लंदन अफ्रीकन देश, भारत संगहि यूरोपीय देशमे कहर मचा रहल अछि। ई कोनो जिन्नक कथासँ कम नहि ! कोरोना वायरसक सृजनक जेना की अनेकानेक आलेख देखल गेल जाहिमे किछु कएको साल पुरान आलेख सेहो पढ़ल जाहिमे चाइनाक महत्वाकांक्षाक फलाफल भेट रहल अछि। जिन्नक कथा के नहि जनैत अछि ! जे पोसैत अछि पहिने ओकरे ओ खायत छैक।

तँ जिन्नक त्रासदी पहिने चाइना भोगलक आ आब दुनिया जहान भोगि रहल अछि। विश्व स्वास्थ्य संगठनक वेबसाईटसँ देखल जा रहल अछि जे यूरोपियन देशकेँ बाद आब अमरीका एकर केंद्र बनल जा रहल अछि। इटली सभसँ बेसी प्रभावित देशमे एखन सर्वोच्च स्थान प्राप्त कएने अछि आ स्पेन धीरे धीरे सभकेँ पछाड़ैत चाइनासँ सेहो ऊपर भS दोसर स्थान पर कब्जा जमा चुकल अछि।

ई नहि बुझि जे लॉकडौनमे खाली अपनहि देश अछि दुनियाकेँ शक्तिशाली देश सभ सेहो दर दोकान बंद कS अपन अपन घरमे बंद अछि। कएको एहन राष्ट्र अछि जतय आपातकाल घोषित कएल गेल अछि जेना न्यूजीलैंड, सेनेगल आदि लेबनान जकाँ राष्ट्र पूर्णतया बंद कS घरमे पड़ल अछि।

ब्रिटिश राजकुमार सेहो कोरोनाकेँ चपेटमे छथि सेहो काल्हि समाचार माध्यमसँ पुष्टि भेल। कहबाक तातपर्य जे ई एहन जिन्न छै जेकर आम वा खास निर्धन वा धनिक सभपर समान दृष्टि छैक। ई वैश्विक स्तरक संकट अछि आ दोसर एकर कोनो उपचार सेहो नहि अछि। केवल नीक नुकूट खाऊ पिबू, स्वच्छ रही आ प्रधानमंत्री जीक नीक नीक भाषणपाण करैत घरक भीतर पड़ल स्वास्थ्यलाभ करैत रहू।

दुनियाक सभसँ पैघ लोकतँत्र, भारत देश दुनियामे फराक स्थान पबैत अछि।आ लोकतंत्रमे चुनाव, सरकार, सत्ता, खेलाबेला ई सभ बारहो मास तँ होयते रहैत छैक। कोरोनाक महामारीसँ हमरा सभ दिसंबरमे परिचित रही मुदा दिल्लीक महत्वपूर्ण चुनाव आबि गेल छल। आब चुनावक समक्ष कोरोना होय किंवा ओकर पितामह, हमर सरकारक पहिल प्राथमिकता चुनाव होयत छै। तेँ चुनाव शांतिपूर्ण बिनु कोनो हो हल्लाकेँ सम्पन्न कराएब बेस खगता छल आ तहिना समाजिक समरसता सँग समापन सेहो भेल, जेकर प्रत्यक्षदर्शी हमरा सभ रहलहुँ। समाजमे सौहार्दपूर्ण वातावरणक बीच दिल्लीमे सरकार बनल आ फेर आन आन राज्य दिस देखलाक पश्चात बिसारि देल गेल खुनिया जिन्न कोरोना पर ध्यान केंद्रित कएल गेल।

आब जहिना जहिना साहेब कहैत छथि तहिना करैत रहू कोनो दोसर चारा नहि अछि! भगवान भरोसे आ अप्पन सूझि बुझि सँग स्वयंकेँ सँग आसपड़ोस पर ध्यान केंद्रित राखु मुदा घरमे बंद रहिकS। ई खुनिया जिन्न कतहुँसँ कतहुँ पसरि सकैत अछि। हवा बसात बला आसुरि प्रवृति बला वायरससँ बचबाक केवल अपनाकेँ मुह कान झाँपि तोपिकS घरमे रही। बोर जखन होय तँ थरिया लोटा झालि ढोल सेहो पीटि ली। संगहि सँग साहेबक भाषण बीच बीचमे सुनैत ऊर्जावान होयत रही आ अपन रोग प्रतिरोधी क्षमताकेँ बढाकS वायरससँ बचैत रही। देहांतसँ नीक एकांत
डरबाक नहि लड़बाक अछि।
घरमे रहि खुनियाकेँ हरेबाक अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *