ऑस्ट्रेलिया में गहरायल ऊर्जा संकट, PM अल्बानीज लाएलाह फ्यूल सुरक्षा योजना

कैनबरा (ऑस्ट्रेलिया): ऑस्ट्रेलिया में वैश्विक हालात के कारण ऊर्जा संकट गहरात जा रहल अछि। देशक प्रधानमंत्री एंथोनी अल्बानीज बुधदिन राष्ट्र के संबोधित करैत किछ महत्वपूर्ण कदमक घोषणा केलनि आ नागरिक सभ स संयम बरतबाक अपील केलनि।

प्रधानमंत्री अल्बानीज कहलनि जे पश्चिम एशिया में चलि रहल संघर्ष—खास क अमेरिका-इजराइल आ ईरान के बीच तनाव—कारण वैश्विक ऊर्जा आपूर्ति पर गम्भीर असर पड़ल अछि। होर्मुज जलडमरूमध्य स गुजरय वाला जहाज सभ में बाधा आइल अछि, जाहि स तेल आपूर्ति प्रभावित भऽ रहल अछि आ कीमत में तेजी स वृद्धि भेल अछि।

ओ कहलनि जे राष्ट्रीय कैबिनेट “राष्ट्रीय ईंधन सुरक्षा योजना” लागू कए देलक अछि, जाहि स दीर्घकालीन आपूर्ति बाधा के स्थिति में नागरिक सभ के राहत देल जा सकत। प्रधानमंत्री अपन संदेश में स्पष्ट कहलनि—“आगू आबै वाला महीना आसान नहि होयत, मुदा सरकार हरसंभव प्रयास करैत रहत जे देश के संकट स बचाओल जा सकय।”

प्रधानमंत्री ईहो जोड़लनि जे अनिश्चितता के ई समय में ऑस्ट्रेलिया मिलजुल कए चुनौती के सामना करत आ एक-दूसरा के सहयोग करत।

अन्य देश सभ में सेहो उठल कदम

ई वैश्विक संकट के असर अन्य देश सभ पर सेहो देखाए पड़ि रहल अछि। पाकिस्तान में ईंधन बचत लेल कार्यालय में कर्मचारी संख्या घटाएल गेल अछि आ चार दिनक कार्य सप्ताह लागू कएल गेल अछि। श्रीलंका सेहो साप्ताहिक अवकाश आ सख्त ईंधन राशनिंग जेकां कदम उठा चुकल अछि।

सरकार द्वारा घोषित प्रमुख राहत उपाय

ऊर्जा संकट के बीच आम जनता के राहत देबाक लेल ऑस्ट्रेलियाई सरकार किछ महत्वपूर्ण फैसला लेने अछि—

ईंधन उत्पाद शुल्क (Fuel Excise) के आधा कए देल गेल अछि
पेट्रोल पर प्रति लीटर लगभग 26 सेंट के कटौती
ई व्यवस्था अगिला तीन महीना तक लागू रहत
ट्रक चालक सभ लेल भारी वाहन सड़क उपयोग शुल्क शून्य कए देल गेल अछि

प्रधानमंत्री अल्बानीज कहलनि जे ई कदम सभ सिधा जनता के राहत देत आ पेट्रोल पंप पर कीमत में कमी साफ देखाए पड़त।

ऑस्ट्रेलिया में बढ़ैत ऊर्जा संकट वैश्विक अस्थिरता के साफ संकेत दैत अछि। सरकार द्वारा उठायल ई कदम तत्काल राहत जरूर देत, मुदा दीर्घकालीन समाधान लेल अंतरराष्ट्रीय स्तर पर स्थिरता अत्यंत जरूरी अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *