
नई दिल्ली। कोरोना विपत्ति कें समय मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आई राति मे आठ बजे आबि रहल छथि। देशक नाम संबोधन करताह। कोरोना काल मे हुनक ई चारिम बेर एहि तरहक संबोधन हेतैन्ह। सभक मुंह मे एक्के टा सवाल कि आखिर ओ कि बजताह ? लाॅकडाउन आगां बढत ? छूट भेटत त कतेक धरि ? नौकरीपेशा लोक कें हालत नीक नहि छन्हि, कि ओहुक संबंध मे कोनो घोषणा करताह ?
बहुत रास सवाल लोक सभकें मौन मे उमडि घुमडि रहल छन्हि। ेओना बता दि जे कोरोना संक्रमित कें संख्या हठात बढितै जा रहल अछि। औसत कें गप्प करी त इम्हर किछु दिन सं रोज चारि हजार कंे करीब मरीजक संख्या बढि रहल अछि। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय जे नबका आंकडा देलक अछि, ओकर हिसाबे देश भरि मे कोरोना संक्रमित कें संख्या 70 हजार कें पार कय चुकल छी। संभव जे जाधरि प्रधानमंत्री देशक नाम अप्पन संबोधन देताह, ओहि सं पहिने ई 71 हजार कें सेहो नहि पार कय जाए।