
नई दिल्ली: नॉर्थ दिल्ली मे लगभग 90 लाख आबादी के बिजली आपूर्ति करय वाली प्रमुख पावर यूटिलिटी Tata Power Delhi Distribution Limited के वित्त वर्ष 2024-25 लेल Ministry of Power India द्वारा ‘कंज्यूमर सर्विस रेटिंग ऑफ डिस्कॉम्स (CSRD)’ फ्रेमवर्क अंतर्गत सर्वोच्च A+ रेटिंग प्रदान कएल गेल अछि।
एहि उत्कृष्ट उपलब्धि संग टाटा पावर-डीडीएल शहरी आ समग्र यूटिलिटी श्रेणी मे देशभर के डिस्ट्रीब्यूशन यूटिलिटी रैंकिंग मे अपन दोसर स्थान पुनः बरकरार रखलक अछि। ई लगातार उच्च प्रदर्शन के संकेत दैत अछि।
ओवरऑल मूल्यांकन मे कंपनी के परिचालन विश्वसनीयता आ दोष सुधार एवं शिकायत निवारण मे A+ रेटिंग देल गेल अछि। जबकि कनेक्शन आ अन्य सेवा, संगहि मीटरिंग, बिलिंग आ कलेक्शन के क्षेत्र मे ‘A’ रेटिंग प्राप्त भेल अछि।
एहि उपलब्धि पर प्रतिक्रिया दैत टाटा पावर-डीडीएल के सीईओ श्री द्विजदास बसाक कहलनि जे कंपनी अपन उपभोक्ता सभक बढ़ैत अपेक्षा के ध्यान मे रखैत सेवा गुणवत्ता आ डिलीवरी के निरंतर मजबूत करबा मे जुटल अछि। हुनका अनुसार ई रैंकिंग कंपनीक विभिन्न टीम सभक कड़ी मेहनतक प्रमाण अछि आ आगाँ सेहो सेवा स्तर के और ऊँच बनाबय लेल प्रेरित करैत अछि।
उल्लेखनीय अछि जे विद्युत मंत्रालय द्वारा 2021 मे शुरू कएल गेल ‘कंज्यूमर सर्विस रेटिंग ऑफ डिस्कॉम्स (CSRD)’ रिपोर्ट डिस्कॉम कंपनी सभक उपभोक्ता सेवा के आधार पर मूल्यांकन करैत अछि। एहि मे समय पर आ सटीक मीटरिंग-बिलिंग, शिकायत समाधान के प्रभावशीलता आ पारदर्शी शुल्क व्यवस्था जेकाँ मानक पर कंपनिक प्रदर्शन के जांच कएल जाइत अछि।
डिस्ट्रीब्यूशन यूटिलिटी रैंकिंग (DUR) केर दोसर संस्करण विभिन्न यूटिलिटी सभक प्रदर्शन के आकलन करबाक संगहि निरंतर सुधार लेल प्रोत्साहित करबाक दिशा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल अछि।