
नई दिल्ली। टाटा पावर दिल्ली डिस्ट्रीब्यूशन लिमिटेड (टाटा पावर-डीडीएल) अपन सतत विकास आ सामुदायिक सशक्तिकरण के प्रतिबद्धता के मजबूत करैत “समावेश: महिला सौर उपभोक्ता कार्निवल – 2026” के सफल आयोजन 19 मार्च 2026 के एमआर ग्लोबल स्कूल, बवाना, दिल्ली मे कएलक। ई कार्यक्रम ‘पीएम सूर्य घर: मुफ्त बिजली योजना’ के अंतर्गत रूफटॉप सोलर के बढ़ावा देबा मे महिला सभ के प्रेरणादायक भूमिका के सम्मान देबाक उद्देश्य सँ आयोजित कएल गेल छल।
एहि आयोजन मे टाटा पावर-डीडीएल के ग्रामीण क्षेत्रक 30 सँ बेसी गांव सँ 350 सँ बेसी महिला सभ उत्साहपूर्वक भाग लेलनि, जे स्वच्छ ऊर्जा अपनाबय दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि।
कार्यक्रमक अध्यक्षता श्री राहुल कुमार, महाप्रबंधक, टाटा पावर-डीडीएल द्वारा कएल गेल। एहि अवसर पर सुश्री अंजू अमन डबास (पार्षद, पूठ खुर्द), सुश्री फिज़ा (कैबिनेट मंत्री श्री रविंद्र इंदराज सिंह के सुपुत्री), सुश्री रेखा सिन्हा (पूर्व पार्षद), सुश्री रुचिका राणा (प्रधानाचार्य, एमआर ग्लोबल स्कूल), बहन चंद्रिका (ब्रह्माकुमारी), सुश्री ज्योति कौर (सेलिब्रिटी डांसर), डॉ. दीपिका कटारिया सहित अनेक गणमान्य अतिथि उपस्थित रहलाह। एकरा अतिरिक्त श्री विनोद सहरावत, श्री सत्यवान सहरावत, श्री रवि सहरावत आ टाटा पावर-डीडीएल के अधिकारी सभ सेहो मौजूद रहलाह।
नवरात्रि आ अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस माह के अवसर पर 125 सँ बेसी महिला सौर उपभोक्ता आ विभिन्न क्षेत्र मे उत्कृष्ट प्रदर्शन करनिहार महिला सभ के सम्मानित कएल गेल। संगहि 250 सँ बेसी महिला अपन-अपन गांव मे सौर ऊर्जा के प्रचार-प्रसार के संकल्प लेलनि।
एहि कार्यक्रम मे खेल, शिक्षा, स्वास्थ्य, योग, सामाजिक सेवा आ ऊर्जा संरक्षण जइसन विभिन्न क्षेत्र मे राज्य आ राष्ट्रीय स्तर पर उत्कृष्ट प्रदर्शन करनिहार 70 बालिका आ महिला सभ के सेहो सम्मानित कएल गेल।
कार्यक्रम दौरान सौर जागरूकता सत्र, चित्रकला प्रतियोगिता, दौड़ आ सांस्कृतिक प्रस्तुति जइसन गतिविधि आयोजित कएल गेल, जाहि मे करीब 150 प्रतिभागी सक्रिय रूप सँ भाग लेलनि। एहि गतिविधि सभ सँ महिला सशक्तिकरण आ स्वच्छ ऊर्जा के संदेश के आर मजबूत बनाओल गेल।
कार्यक्रम उत्साहपूर्ण वातावरण मे संपन्न भेल, जतय टाटा पावर-डीडीएल सभ प्रतिभागी, सामुदायिक नेता, युवा आ स्थानीय प्रतिनिधि सभ के प्रति आभार व्यक्त कएलक। ई पहल संगठनक ओहि निरंतर प्रतिबद्धता के दर्शबैत अछि, जाहि माध्यम सँ ओ समुदाय के सशक्त बनाबय आ सतत ऊर्जा समाधान के जमीनी स्तर पर बढ़ावा देबाक दिशा मे कार्यरत अछि।