वंदे मातरम् के 150 वर्ष पूरा भेला पर अभाविप द्वारा “परिसर-परिसर वंदे मातरम्” अभियान

नई दिल्ली: अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद दिल्ली द्वारा वंदे मातरम् के 150 वर्ष पूरा होए के अवसर पर राजधानी के विभिन्न शैक्षणिक परिसर सभ में “परिसर-परिसर वंदे मातरम्” अभियान चलाओल गेल। ई अभियान 23 मार्च सऽ 4 अप्रैल धरि चलल, जाहि में छात्र-छात्रा सभ सामूहिक रूप सऽ वंदे मातरम् के गायन कएलनि।

एहि ऐतिहासिक अवसर पर दिल्ली विश्वविद्यालय, जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालयदिल्ली कौशल एवं उद्यमिता विश्वविद्यालय सहित कुल 117 शिक्षण संस्थान सभक विद्यार्थी उत्साह सऽ भाग लेलनि आ राष्ट्रभक्ति के संदेश देलनि।

गौरतलब अछि जे वंदे मातरम् के रचना प्रसिद्ध साहित्यकार बंकिम चंद्र चट्टोपाध्याय द्वारा 7 नवंबर 1875 में कएल गेल छल। स्वतंत्रता संग्राम के दौरान ई गीत स्वतंत्रता सेनानी सभ में स्वराज के भावना जगाबए में महत्वपूर्ण भूमिका निभेलक। ई गीत न केवल देशभक्ति के भावना जगौलक, बल्कि अंग्रेजी शासन के खिलाफ संघर्ष लेल देशवासी सभ के एकजुट सेहो कएलक।

7 नवंबर 2025 के वंदे मातरम् के 150 वर्ष पूरा भेला के बाद विद्यार्थी परिषद देशभर में एहि अभियान के शुरुआत कएने अछि, जाहि सऽ युवा पीढ़ी के अपन इतिहास आ सांस्कृतिक विरासत सऽ जोड़ल जा सकए।

अभाविप दिल्ली के प्रांत मंत्री सार्थक शर्मा कहलनि जे वंदे मातरम् केवल एक गीत नहि, बल्कि भारत के आत्मा के स्वर अछि। एकरा माध्यम सऽ युवा सभ में राष्ट्रभक्ति, सांस्कृतिक गौरव आ राष्ट्रीय एकता के भावना के मजबूत कएल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे युवा पीढ़ी के अपन इतिहास सऽ जोड़नाय बहुत जरूरी अछि आ एहने आयोजन एहि दिशा में महत्वपूर्ण भूमिका निभाबैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *