दिल्ली मे निःशुल्क स्वास्थ्य जाँच शिविर सफल, सैकड़ों लोकनि उठौलनि लाभ

नई दिल्ली: पूर्वी दिल्लीक पश्चिमी विनोद नगर स्थित गौरी शंकर मंदिर परिसर मे एकटा विशाल निःशुल्क स्वास्थ्य जाँच शिविरक सफल आयोजन कएल गेल। ई शिविर आनन्दमयभारती फाउंडेशन आ Federation of Social Organisation केर संयुक्त प्रयास सँ तथा Angus Dunde India Private Limited केर सीएसआर सहयोग सँ सम्पन्न भेल।

शिविर मे क्षेत्रक सैकड़ों लोकनि उत्साहपूर्वक भाग लेलनि आ स्वास्थ्य सेवा केर लाभ उठौलनि। एहि दौरान मरीज सभक निःशुल्क बीपी (ब्लड प्रेशर) आ शुगर (मधुमेह) केर जाँच कएल गेल। संगहि चिकित्सक सभ द्वारा आवश्यक परामर्श देल गेल आ जरूरतमंद लोकनि कें मुफ्त दवाई सेहो वितरित कएल गेल।

कार्यक्रम मे उपस्थित चिकित्सक आ स्वयंसेवकक टीम पूर्ण समर्पण सँ लोकनि के सेवा कएलनि। शिविरक मुख्य उद्देश्य आम जनता, विशेष रूप सँ आर्थिक रूपे कमजोर वर्ग के प्राथमिक स्वास्थ्य सुविधा उपलब्ध करेनाय छल, जे सफलतापूर्वक पूरा कएल गेल।

एहि अवसर पर आनन्दमयभारती फाउंडेशन केर अध्यक्ष बसन्त कुमार झा कहलनि जे संस्था निरंतर समाजसेवा मे सक्रिय अछि। हुनका अनुसार संस्था शिक्षा, स्वास्थ्य आ रोजगारक क्षेत्र मे लगातार कार्य करैत अछि आ भविष्य मे सेहो एहि प्रकारक जनकल्याणकारी कार्यक्रमक आयोजन जारी राखत।

स्थानीय नागरिक सभ एहि पहल के सराहना करैत आयोजक सभ के धन्यवाद देलनि आ आग्रह कएलनि जे एहन शिविर नियमित रूप सँ आयोजित होइत रहय। एहन स्वास्थ्य शिविर समाज मे जागरूकता बढ़ेबाक संग-संग लोकनि के समय पर जाँच आ उपचारक सुविधा प्रदान करबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभबैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *