
नई दिल्ली। कोरोना वायरस के संभावित संक्रमण के देखैत देशक कतेको प्रदेश मे बिहार के प्रवासी श्रमिक सभक चिंता बिहार सरकार के होमय लागल। तमाम समचार माध्यम से जानकारी भेटला पर बिहार सरकार हरकत मे आयल। ताहिं बिहार कें श्रमिक वर्ग कें सहयोग आ सहायता पहुँचेबाक उद्देश्य सं स्थानिक आयुक्त, बिहार श्री विपिन कुमार के आदेश पर बिहार भवन , नई दिल्ली मे तत्काल प्रभाव सं तीन गोट 24×7 हेल्पलाइन नंबर स्थापित कयल गेल अछि। ई तीनू नंबर एहि प्रकारें अछि –
’011-23792009, 011-23014326, 011-23013884’
एहि नंबर के माध्यम स प्राप्त सूचना पर पदाधिकारी लोकनि द्वारा सभकें सहयोग प्रदान कएल जायत। एहि मौका पर स्थानिक आयुक्त श्री कुमार बजलाह जे प्रवासी श्रमिक सभक सहयोग करनाय बिहार सरकार कें सर्वोच्च प्राथमिकता अछि। एकरा लेल संपूर्ण तंत्र पूर्णतः सक्रिय व प्रतिबद्ध अछि।