सोनाली राउत के खुलासा सँ हिलल रियलिटी शो, उठल गंभीर सवाल

 

मुंबई। रियलिटी शो के चमक-दमक के पाछाँ छिपल सच्चाई के लए एक बेर फेर बहस तेज भ’ गेल अछि। एहि बेर मामला जुड़ल अछि बिग बॉस मराठी 6 आ अभिनेत्री सोनाली राउत सँ, जाहि में ओ शो के निर्मातासभ पर गंभीर आरोप लगबैत सनसनी मचा देलखिन।

सोनाली राउत के दावा अछि जे शो के दौरान हुनका अस्वच्छ माहौल, भूख, नींद के कमी आ मानसिक-शारीरिक दबाव जेकाँ कठिन परिस्थिति के सामना करए पड़ल, जाहि सँ हुनकर स्वास्थ्य पर गहरा असर पड़ल।

हुनकर मुताबिक, घर के भीतर स्थिति बहुत चिंताजनक छल। ओ आरोप लगौलखिन जे किचन मे चूहा के मौजूदगी, खाना मे कॉकरोच आ सीमित संसाधन के कारण प्रतियोगीसभ के बेहद असहज माहौल मे रहए पड़ल। हुनकर कहनाय अछि जे 17 गोटे लेल एक्के वॉशरूम के इस्तेमाल कराओल गेल, जतय साफ-सफाई के घोर अभाव छल।

एतबे नहि, तौलिया, बेडशीट आ जरूरी व्यक्तिगत चीजसभ साझा करए के मजबूरी सेहो रहल, जाहि सँ संक्रमण के खतरा बढ़ि गेल। अभिनेत्री ईहो दावा कएने छथि जे एहि स्थिति के कारण हुनका स्केबीज़ जेकाँ संक्रामक बीमारी भ’ गेल, जाहि के असर शो छोड़ला के बादो जारी अछि।

सोनाली आरोप लगौलखिन जे मेडिकल सुविधा पर्याप्त नहि छल आ हुनकर स्वास्थ्य संबंधी अपील के नजरअंदाज कएल गेल।

एहि विवाद सँ रियलिटी टीवी के नैतिकता आ प्रतियोगीसभ के सुरक्षा पर गंभीर सवाल उठि गेल अछि। हालाँकि, शो के निर्मातासभ के तरफ सँ एखन तक कोनो आधिकारिक प्रतिक्रिया सामने नहि आएल अछि, मुदा सोनाली राउत के खुलासा मनोरंजन जगत मे एकटा नव बहस जरूर छेड़ि देने अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *