विदेश मे ‘धुरंधर 2’ पर उठल सवाल, कियो वीडियो गेम सँ कएल तुलना त कियो कहल ‘भयानक फिल्म’

सृष्टि झा

नई दिल्ली। Aditya Dhar केर निर्देशन मे बनल फिल्म Dhurandhar 2 दुनियाभर मे जबरदस्त कमाई क रहल अछि, मुदा विदेशी समीक्षक सभ एकरा लए खास प्रभावित नहि देखाइ रहल छथि। एहि स्पाई थ्रिलर मे Ranveer Singh मुख्य भूमिका मे छथि। फिल्म मात्र छह दिन मे वैश्विक स्तर पर 100 मिलियन डॉलर सँ बेसी कमाई कए चुकल अछि। भारत मे एकर नेट कलेक्शन ₹575 करोड़ रहल अछि, जबकि विदेश मे 27 मिलियन डॉलर सँ बेसी कमाई भेल अछि, जाहि मे उत्तर अमेरिका सँ 15 मिलियन डॉलर शामिल अछि।

इंटरनेशनल मीडिया कें नापसंद आयल फिल्म

रिव्यू एग्रिगेटर वेबसाइट Rotten Tomatoes पर फिल्म कें अप्रूवल रेटिंग मात्र 38% अछि। कुल 13 रिव्यू मे सँ सिर्फ 5 सकारात्मक अछि—आ ई सभ भारतीय समीक्षक सभक अछि। विदेशी मीडिया आ समीक्षक सभ फिल्मक हिंसा आ राजनीतिक प्रस्तुति कें कड़ा आलोचना कए रहल छथि।

‘वीडियो गेम जेकाँ बैकग्राउंड म्यूजिक’

The New York Times लेल लिखैत समीक्षक निकोलस रैपोल्ड कहलनि जे फिल्मक संगीत दमदार बैकग्राउंड स्कोर सँ बेसी वीडियो गेम जेकाँ लागैत अछि। हुनकर अनुसार, किछु दृश्य त ‘फर्स्ट-पर्सन-शूटर’ गेम जेकाँ अनुभव दैत अछि। ओ इहो कहैत छथि जे फिल्मक सीक्वल दर्शक कें हिंसा प्रति और बेसी असंवेदनशील बना सकैत अछि।

कठोर आलोचना के बावजूद कमाई जारी

‘Movies We Texted About’ लेल लिखैत समीक्षक सारा मैनवेल फिल्म पर तीखा टिप्पणी करैत कहलीह जे फिल्म मे हिंसा आ खून-खराबा अत्यधिक अछि। हुनकर अनुसार, फिल्म मे क्रूरता एतेक अधिक अछि जे दर्शक लेल अनुभव ‘मानसिक रूप सँ विचलित करए वाला’ बनि जाइत अछि।

बॉक्स ऑफिस पर मजबूती कायम

नकारात्मक समीक्षा के बावजूद ‘धुरंधर 2’ विदेश मे सेहो जोरदार कमाई क रहल अछि। गल्फ देश मे रिलीज नहि होएबाक बावजूद फिल्म 27 मिलियन डॉलर सँ बेसी कमा चुकल अछि। अमेरिका मे अपन ओपनिंग वीकेंड पर ई दोसर सभ सँ बेसी कमाई करए वाली फिल्म रहल, जे केवल Project Hail Mary सँ पाछाँ रहल, जाहि मे Ryan Gosling अभिनय कएने छथि।

दर्शक संख्या पर उठल सवाल

सारा मैनवेल आश्चर्य व्यक्त करैत कहलीह जे “फिल्म मे मनोरंजन बहुत कम अछि, तइयो ई बुझब मुश्किल अछि जे एतेक दर्शक किएक एहि ‘भयानक’ फिल्म देखए लेल उमड़ि रहल छथि।” एहि तरहें, ‘धुरंधर 2’ एक दिस बॉक्स ऑफिस पर सफलता हासिल क रहल अछि, त दोसर दिस विदेशी आलोचना कें सामना क रहल अछि—जाहि सँ ई स्पष्ट अछि जे फिल्मक लोकप्रियता आ गुणवत्ता पर बहस जारी अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *