गर्मी छुट्टी आ त्योहार सीजन में Vietjet क बढ़ल उड़ान, खास किराया ऑफर

नई दिल्ली। वियतनाम के लो-कॉस्ट एयरलाइन Vietjet एहि साल गर्मी आ छुट्टी के मौसम के ध्यान में रखैत अपन उड़ान सेवा में बड़ा विस्तार कएलक अछि। एयरलाइन भारत स वियतनाम जाए चाहय वाला यात्रियन लेल अधिक सुविधा आ सस्ता किराया के विकल्प प्रस्तुत क रहल अछि।

एयरलाइन 25 अप्रैल स 5 मई के बीच वियतनाम के भीतर करीब 3,800 उड़ान संचालित करए के योजना बना रहल अछि, जे पिछला साल के तुलना में करीब 500 उड़ान अधिक अछि। एहिसं घरेलू सीट क्षमता बढ़ि क लगभग 8,32,000 सीट भ’ जाएत, जे 18 प्रतिशत के वृद्धि दर्शबैत अछि।

भारतीय यात्रियन लेल ई एकटा सुनहरा अवसर मानल जा रहल अछि, किएक तँ अब ओ वियतनाम के विभिन्न शहर – जइमें हनोई, हो ची मिन्ह सिटी, दा नांग, न्हा ट्रांग आ फु क्वोक शामिल अछि – के आसानी स घुमि सकैत छथि। फिलहाल Vietjet भारत के प्रमुख शहर जइसे दिल्ली, मुंबई, अहमदाबाद, बेंगलुरु आ हैदराबाद स सीधा कनेक्टिविटी प्रदान करैत अछि।

वियतनाम में ए साल लंबा सार्वजनिक अवकाश – Hung Kings’ Commemoration Day स ल’ क Reunification Day आ International Labour Day तक – यात्रा लेल अत्यंत व्यस्त समय मानल जा रहल अछि, जे Tet (लूनर न्यू ईयर) के बाद दोसर सबसे पैघ ट्रैवल सीजन होइत अछि।

एहि खास अवसर पर Vietjet सीमित समय लेल विशेष छूट ऑफर सेहो देलक अछि। 10 अप्रैल 2026 के राति 9:30 बजे (IST) तक यात्री “SALE20” प्रोमो कोड के उपयोग क’ Deluxe, SkyBoss आ Business किराया पर 20 प्रतिशत तक छूट (टैक्स आ फीस छोड़ि) पाबि सकैत छथि। ई ऑफर 31 अगस्त 2026 तक यात्रा लेल मान्य अछि।

टिकट बुकिंग www.vietjetair.com
, “Vietjet Air” मोबाइल ऐप आ अन्य अधिकृत चैनल पर उपलब्ध अछि। एयरलाइन यात्रियन स अनुरोध केने अछि जे भीड़भाड़ वाला समय में सुगम यात्रा लेल अग्रिम बुकिंग करथि आ ऑनलाइन चेक-इन जरूर पूरा करथि।

Vietjet अपन बढ़ैत नेटवर्क आ सेवा में निवेश के माध्यम स भारत आ एशिया-प्रशांत क्षेत्र के बीच संपर्क मजबूत करबाक संग-संग अंतरराष्ट्रीय यात्रा के अधिक सुलभ आ किफायती बनाबय के दिशा में लगातार प्रयासरत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *