
नई दिल्ली। जदि कही जे बियाह जीवनक सबसं सुंदर आ सामाजिक बन्हन अछि, त कनिको असोकर्ज नहीं होयत। ई आद्योकाल सं चलल आबि रहल अछि। वैयक्तिक स्तर सं लय क सामाजिक स्तर पर एहि मे सभागिता रहैत छैक। हरेक माय-बापक लेल ई सबसं पैघ उत्सव होइत अछि, जाहि दिन सं हुनक अगिला पीढी कें शुरुआत होयत अछि।
21 फरवरीक तारीख मैथिली टाइम्स कें प्रबंध संपादक श्री किशोर कुमार सिन्हा लेल बड आह्लादकारी छल। एहि दिन हुनक सुपुत्र चन्दन केर विवाह आयुष्मती अर्पिता संग भेलैन्ह। पटना मे एकटा भव्य समारोह मे श्री चन्दन अर्पिता कें पाणिग्रहण केलाह। दूनू पक्षक सगा-संबंधी नव दंपत्ति कें आशीष देलाह।
जनतब दी जे सुश्री अर्पिता इंदिरा गांधी नेशनल ट्ाइबल यूनिवर्सिटी, अमरकंटक मे सहायक प्राध्यापक कें रूप मे काज कय रहल छथि। संगहि संग ओ हिन्दी विश्वविद्यालय, वर्धा सं पीचडी कय रहल छथि। शिक्षाक संग मिथिलाक कला-संस्कृति सं सरोकार राखय वाली अर्पिता केर मैथिली टाइम्स दिस सं बहुत रास बधाई आ शुभकामना।
मैथिली टाइम्स के प्रबंध संपादक श्री किशोर कुमार सिन्हा के सुपुत्र चन्दन एखन मध्यप्रदेश फ्लाइंग क्लब, इंदौर सं जुडल छथि आ भुटान एयरलाइन्सक संग प्रथम अधिकारी कें रूप मे अपन काजक योगदान दय रहल छथि।