New Delhi : मैथिली साहित्य मे स्त्री लेखन परंपराकेँ प्रोत्साहित आ समृद्ध करबाक उद्देश्यसँ देल जाएबला डॉ. नीरा मिश्रा स्मृति साहित्य सम्मान–2026 लेल एहि वर्ष दू गोट कवयित्रीक कविता संग्रह संयुक्त रूपसँ चयनित भेल अछि।
डॉ. नीरा मिश्रा सामाजिक सरोकार न्यास द्वारा देल जाएबला एहि सम्मान लेल दीपिका चन्द्राक मैथिली कविता संग्रह ‘चौकठिसँ चान दिस’ आ निवेदिता झाक कविता संग्रह ‘युद्ध नहि शान्ति’ चयनित कएल गेल अछि। दुनू पोथीक प्रकाशन किसुन संकल्प लोक, सुपौल द्वारा कएल गेल अछि।
आगामी दिसम्बर मासक अंतिम सप्ताहमे दक्षिण काशी, नांजनगुड, मैसूरु स्थित कपिला नदीक पावन तट पर आयोजित होयवला ‘नीर मैथिली स्त्री रचनाकार सम्मेलन 2026’ मे दुनू कवयित्रीकेँ अलग-अलग 25 हजार टका, स्मृति चिह्न आ प्रशस्ति-पत्र प्रदान कएल जायत।
मैथिली साहित्य आ स्त्री लेखनक क्षेत्र मे एहि सम्मानकेँ महत्वपूर्ण पहल मानल जा रहल अछि। दुनू कवयित्रीक चयन पर साहित्य प्रेमी, लेखक आ शुभचिंतक सभ हार्दिक बधाई आ शुभकामना व्यक्त कएने छथि।
