प्रेम, रहस्य आ खौफक संगम बनल गहना वशिष्ठक फिल्म ‘सागा ऑफ लव’

मुंबई । प्रेम जँ सात जन्म तक अधूरा रहय आ प्रत्येक बेर भाग्य प्रेमी सभकेँ एक-दोसरसँ अलग कऽ दे, तऽ ई कहानी मात्र रोमांस नहि, बल्कि रहस्य आ रोमांचक अनूठा सफर बनि जाइत अछि। एहन रोचक कथाक संग गहना वशिष्ठ मनोरंजन जगत मे अपन बहुप्रतीक्षित वापसी कएने छथि। हुनकर अपन निर्माण संस्थान जीवी एंटरटेनमेंटक बैनर तले बनल रोमांटिक हॉरर फिल्म ‘सागा ऑफ लव’ हंगामा ओटीटी पर रिलीज भऽ गेल अछि।

फिल्ममे गहना वशिष्ठ निर्देशनक जिम्मेदारी संभालबाक संग मुख्य अभिनेत्री सेहो छथि। हुनका संग शान मिश्रा, अंकित राज, आतिफ भट्ट, ज्योति तिवारी, शुभांगी शर्मा, आलोक नाथ पाठक आ राजीव सिंह महत्वपूर्ण भूमिका मे नजर अबैत छथि।

1608 सँ शुरू भऽ 2022 तक पहुँचयवाली एहि कहानी मे सात जन्मक प्रेम, पुनर्जन्म आ बिछुड़बाक पीड़ाकेँ रहस्यमय डरावना घटनाक्रमक संग जोड़ल गेल अछि। सिया आ राघवक प्रेम प्रत्येक युग मे नव रूप लैत अछि, मुदा नियति बेर-बेर हुनका सभक मिलनक बाट मे बाधा बनि ठाढ़ भऽ जाइत अछि।

गोवा आ बालाजी स्टूडियो मे फिल्माओल गेल ‘सागा ऑफ लव’ मे इतिहास, जुनून, रहस्य आ भावना सभक रोचक संगम देखय लेल भेटत। गहना वशिष्ठक ई वापसी अभिनयक संग-संग हुनकर निर्देशन आ निर्माण प्रतिभाकेँ सेहो नव अंदाज मे सामने अनैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *