अनिल कपूर के खुलासासँ दर्शक रहि गेल चकित, बचपनमे पिता सुरिंदर कपूरक फिल्म ‘टार्जन कम्स टू दिल्ली’ लेल देने छलनि पहिल शॉट, दारा सिंह छलाह नायक

मुंबई: स्टार प्लसक लोकप्रिय शो ‘इंडिया के टॉप 1% – द अनिल कपूर शो’ मे होस्ट अनिल कपूर प्रतियोगीसँ हँसी-मजाक करबाक संग-संग अपन जीवनसँ जुड़ल रोचक संस्मरण सेहो साझा करैत छथि। आगामी एपिसोडमे ‘इंडियन टार्जन कपल’ नामसँ चर्चित जोड़ीसँ बातचीतक दौरान अनिल कपूर अपन जीवनक 60 सालसँ बेसी पुरान एकटा रोचक घटना सुनौलनि। ‘टार्जन’ नाम सुनिते हुनका अपन पिता आ फिल्म निर्माता सुरिंदर कपूरक याद आबि गेलनि। ओ बतौलनि जे बचपनमे हुनका पहिल बेर फिल्मक कैमरा सामने शॉट देबाक अवसर कहिया भेटल छलनि।

अनिल कपूर खुलासा कयलनि जे हुनकर पहिल शॉट अपन पिताक वर्ष 1965 मे बनल फिल्म ‘टार्जन कम्स टू दिल्ली’ लेल छल। ओहि दिन ओ कुतुब मीनारक सामने फोटो सेहो खिंचौने छलाह। एहि फिल्ममे टार्जनक भूमिका प्रसिद्ध पहलवान आ अभिनेता दारा सिंह निभौने छलाह। ओहि दिनक याद ताजा करैत अनिल कपूर दारा सिंहक उदारता आ नेकदिल स्वभावक खूब प्रशंसा कयलनि।

अनिल कपूर कहलनि, “हम पहिल बेर ‘टार्जन कम्स टू दिल्ली’ फिल्ममे कैमरा फेस कयने रही। ई बात बहुत कम लोककेँ पता अछि। ओहि समय हमसभ कुतुब मीनारक सामने गेल रही आ ओतय फोटो सेहो खिंचौने रही। ओतहि हम एहि फिल्म लेल एकटा शॉट देने रही। जखन ‘टार्जन’ नाम सुनलहुँ तऽ हमरा अपन पिताजी आ ओहि फिल्मक याद आबि गेल। एहि फिल्मक हीरो दारा सिंह जी छलाह। रुस्तम-ए-हिंद दारा सिंह जी हमरा जानल सभसँ बेहतरीन आ नेकदिल लोकमे सँ एक छलाह। हुनकर हृदय बहुत विशाल छलनि आ ओ अत्यंत उदार आ नीक इंसान छलाह।”

देखू, ‘इंडिया के टॉप 1% – द अनिल कपूर शो’ एहि शनिदिन आ रविदिन राति 8 बजे, स्टार प्लस आ जियोहॉटस्टार पर।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *