मिथिलाक लाल राकेश कुमार ITBP में DIG पद पर पदोन्नत

पैतृक गाम सरहद सहित परिवार आ कर्ण कायस्थ समाजमे खुशीक माहौल

नई दिल्ली। मिथिलाक धरतीक लाल आ मधुबनी जिलाक सरहद गाम निवासी श्री राकेश कुमार भारत-तिब्बत सीमा पुलिस (ITBP) में पुलिस उप महानिरीक्षक (DIG) पद पर पदोन्नति प्राप्त कयलनि अछि। हुनकर एहि उपलब्धिसँ परिवार, पैतृक गाम सरहद आ समूचा मिथिला क्षेत्रमे हर्ष आ गौरवक माहौल अछि।

राकेश कुमार स्वर्गीय बद्री नारायण दासक पुत्र आ स्वर्गीय जताशंकर दासक पौत्र छथि। हुनकर ई पदोन्नति वर्षोक मेहनत, अनुशासन, कर्तव्यनिष्ठा आ राष्ट्रसेवाक प्रति समर्पणक परिणाम अछि। हुनकर एहि उपलब्धिकेँ मिथिलाक लेल सेहो गौरवपूर्ण मानल जा रहल अछि।

कर्ण कायस्थ महासभा राकेश कुमारक पदोन्नति पर प्रसन्नता व्यक्त करैत हुनका हार्दिक बधाई आ शुभकामना देलक अछि। महासभाक राष्ट्रीय अध्यक्ष सीए आशीष नीरज, राष्ट्रीय उपाध्यक्ष रमेश कुमार (जमशेदपुर), महासचिव आनंद दास, सचिव इरा मल्लिक आ कोषाध्यक्ष कुमार रंजीत लाल दास संयुक्त रूपसँ प्रसन्नता व्यक्त कयलनि।

महासभाक पदाधिकारीसभ कहलनि जे राकेश कुमारक ई उपलब्धि पूरा समाजक लेल गर्वक विषय अछि। हुनकर सफलता युवासभक लेल प्रेरणास्रोत अछि। ई संदेश दैत अछि जे परिश्रम, समर्पण आ अनुशासनक बल पर जीवनमे कोनो ऊंचाई प्राप्त कयल जा सकैत अछि।

महासभाक पदाधिकारीसभ हुनकर उज्ज्वल भविष्यक कामना करैत विश्वास व्यक्त कयलनि जे ओ आगू सेहो पूरा निष्ठा आ प्रतिबद्धताक संग देशक सेवा करैत रहताह।

राकेश कुमारक एहि उपलब्धिसँ हुनकर पैतृक गाम सरहद सहित मिथिला आ कर्ण कायस्थ समाजमे खुशीक लहर अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *