
केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी ईवी मोबिलिटी कॉन्क्लेव में मुख्य अतिथि रूपेँ शामिल
नई दिल्ली। देशक अग्रणी ऑन-डिमांड सुविधा प्लेटफॉर्म स्विगी लास्ट-माइल डिलीवरी केँ स्वच्छ, सुलभ आ किफायती बनेबाक लेल भारतक इलेक्ट्रिक वाहन (ईवी) इकोसिस्टम केँ एकजुट कयलक। एहि अवसर पर केंद्रीय सड़क परिवहन एवं राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी मुख्य अतिथि रूपेँ शामिल भेलाह।
स्विगी द्वारा ‘पावरिंग द लास्ट माइल’ थीम पर आयोजित ईवी मोबिलिटी कॉन्क्लेव में ईवी निर्माता, चार्जिंग आ बैटरी स्वैपिंग सेवा प्रदाता, वाहन किराया कंपनी, फ्लीट पार्टनर, वित्तीय संस्था आ डिलीवरी पार्टनर शामिल भेलाह। कार्यक्रम में इलेक्ट्रिक टू-व्हीलर केँ लास्ट-माइल डिलीवरी लेल व्यावहारिक आ किफायती विकल्प बनेबाक उपाय पर चर्चा भेल।
स्विगी अपन इंस्टामार्ट पॉड्स पर 25 स्थान पर बैटरी स्वैपिंग स्टेशन शुरू कयलक। एकर अतिरिक्त, पॉड्स पर ईवी रेंटल सुविधा सेहो शुरू कयल जा रहल अछि, जाहिसँ डिलीवरी पार्टनर ऑर्डर लेबाक स्थान पर आसानीसँ वाहन प्राप्त कय सकताह।
स्विगी के सह-संस्थापक आ ग्रुप सीईओ श्रीहर्ष मजेटी कहलनि जे डिलीवरी पार्टनर कंपनीक प्रत्येक गतिविधिक केंद्र में छथि। कंपनीक उद्देश्य हुनकर काज आसान आ अधिक लाभकारी बनायब अछि। ईवी अपनावे वाला पार्टनर सभक दैनिक काज में आबय वाला बाधा दूर कय एहि बदलाव केँ सहज बनाओल जा रहल अछि।
पार्टनरक सुविधा पर विशेष ध्यान
स्विगी के अनुसार, व्यस्त दिन में एकटा डिलीवरी पार्टनर लगभग 20 बेर इंस्टामार्ट पॉड पर जाइत छथि। एहि कारण पॉड्स पर बैटरी स्वैपिंग आ ईवी रेंटल सुविधा उपलब्ध कराओल गेल अछि। एहि व्यवस्था सँ वाहन चार्ज करबाक वा लयबाक लेल अतिरिक्त यात्रा में लगय वाला समय बचत। पार्टनर एहि समयक उपयोग अधिक डिलीवरी अथवा अपन निजी काज लेल कय सकताह।
कंपनीक कॉर्पोरेट अफेयर्स प्रमुख नेहा सिंघवी कहलनि जे लास्ट-माइल डिलीवरी में ईवी अपनाबय लेल किफायती वित्तीय सुविधा, भरोसेमंद चार्जिंग आ बैटरी स्वैपिंग व्यवस्था तथा सहयोगी नीति आवश्यक अछि। एहि दिशा में काज कय रहल साझेदार सभक अनुभव पूरा इकोसिस्टम लेल उपयोगी अछि।
ईवी अपनाबय वाला पार्टनर सभ सम्मानित
कार्यक्रम में ईवी अपनाबय वाला डिलीवरी पार्टनर आ सहायक इंफ्रास्ट्रक्चर विकसित करय वाला इकोसिस्टम साझेदार सभ केँ सम्मानित कयल गेल। सम्मानित संस्थामे इंडोफास्ट एनर्जी, युलु, बाउंस डेली, राइडईवी, बाज़ बाइक्स, मोटोवोल्ट, शैडोफैक्स, बीगॉस ऑटो, वीलो मोबिलिटी, हाला मोबिलिटी आ युमा एनर्जी शामिल छल।
डिलीवरी पार्टनर साजन लाल, कमल कुमार, अवनीश, संदीप गुप्ता, विजय, ऋतिक आ खुर्शीद केँ सेहो सम्मानित कयल गेल।
बाउंस के सह-संस्थापक आ सीटीओ वरुण अग्नि कहलनि जे डिलीवरी काज करय चाहय वाला लोक लेल वाहनक उपलब्धता एकटा प्रमुख चुनौती अछि। ईवी रेंटल आ बैटरी स्वैपिंग सुविधा सँ राइडर सभक समय, मेहनत आ खर्च बचत अछि, जाहिसँ हुनकर दैनिक कमाई बढ़य आ ग्राहकक मांग पूरा करय में मदद भेटैत अछि।
ईवी डिलीवरी पार्टनर उमेश कहलनि जे स्विगी ऐपक माध्यम सँ ओ किफायती दर पर ईवी किराया पर लेलनि, जाहि किराया राशि हुनकर पेआउट सँ हुनकर सुविधानुसार काटल जाइत अछि। इंस्टामार्ट पॉड पर बैटरी बदलबाक सुविधा सेहो सहज अछि, जाहिसँ बेसी डिलीवरी कय कमाई बढ़ेबाक अवसर भेटैत अछि।
नितिन गडकरी कहलनि—स्वच्छ आ किफायती परिवहन जरूरी
कार्यक्रम केँ संबोधित करैत केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी कहलनि जे भारतक विकास स्वच्छ, कुशल आ किफायती परिवहन व्यवस्था पर निर्भर अछि। डिलीवरी पार्टनर नव अर्थव्यवस्थाक रीढ़ छथि। हुनका द्वारा इलेक्ट्रिक वाहन अपनौला पर हुनकर आय, शहर आ पर्यावरण तीनू केँ लाभ होइत अछि।
मंत्री स्विगी आ ओकर साझेदार सभक प्रयासक सराहना करैत कहलनि जे सरकार आ उद्योग केँ निरंतर सहयोग करबाक चाही, जाहिसँ ईवी अपनाबय चाहय वाला प्रत्येक डिलीवरी पार्टनर लेल ई विकल्प सहज आ सुलभ बनि सकय।