गम्हरिया (मधुबनी)। वरिष्ठ पत्रकार सुनील सौरभ झा के पूज्य माताजी श्रीमती फूल देवीक 11 अक्टूबर 2026 केँ 85 वर्षक आयुमे निधन भऽ गेलनि। हुनकर निधनक खबरि सँ परिवार सहित पूरा क्षेत्रमे शोकक लहरि पसरि गेल अछि।
श्रीमती फूल देवी बिहार सरकारमे ऑडिटरक पद पर कार्यरत रहल स्वर्गीय हरि शंकर झाक धर्मपत्नी छलीह। ओ मधुबनी जिलाक गम्हरिया गामक निवासी छलीह। हुनका धर्मपरायण, ममतामयी आ सरल हृदयक महिलाक रूपमे जानल जाइत छलनि।
ओ अपना पाछाँ चारि पुत्र—सुशील झा, अनिल झा, सुधीर झा आ वरिष्ठ पत्रकार सुनील सौरभ झा—क संग नौ पौत्र आ दू पौत्रीक भरल-पूरल परिवार छोड़ि गेलीह।
हुनकर निधन पर पत्रकार संघ मधुबनी, जनप्रतिनिधि आ विभिन्न सामाजिक संगठन सभ गहींर संवेदना व्यक्त कयने छथि। शोक व्यक्त करयवला लोकनि दिवंगत आत्माक शांति आ शोकाकुल परिवार केँ एहि कठिन घड़ीमे धैर्य आ संबल भेटबाक कामना कयने छथि।
