चीन के अंतरराष्ट्रीय प्रदर्शनी मे मिथिला पेंटिंग्स के धूम

चीन के शंघाई मे आयोजित दसम अंतरराष्ट्रीय पारंपरिक कला प्रदर्शनी मे भारतक विशिष्ट चित्रकला मिथिला पेंटिंग के धूम रहल। ई पेंटिंग लोक के बहुत पसिन्न पड़लैन्ह आ अकर बारीकी स ओ सब बहुत प्रभावित भेलाह।

अहि कला प्रदर्शनी मे चीन आ भारत के अतिरिक्त जापान, दक्षिण कोरिया, तुर्की, ईरान आ अमेरिका के कलाकृति के प्रदर्शन कयल गेल छल। भारत दिस स विश्व प्रसिद्ध मिथिला पेंटिंग के प्रदर्शन कयल गेल।अहि मे भगवान शिव -पार्वती आ राष्ट्रीय पक्षी मोर के चित्र के सर्वाधिक पसिन्न कयल गेल। कलाप्रेमी मे मिथिला पेंटिंग के विशिष्टता, उपयोग होय बला चटख प्राकृतिक रंग, विषय चयन के सामाजिक आध्यात्मिक पृष्ठभूमि, रंग निरूपन आदि के मांदे बहुतो उत्सुकता आ जिज्ञासा देखल गेल।
शंघाई मे भारतक कांसल जनरल अनिल राय सांस्कृतिक धरोहरि आ कला के संरक्षण एवं अहि माध्यम स दोसर देश के संस्कृति आ लोक के आपस मे जुड़बाक महत्व पर जोर देलैन्ह। प्रदर्शनी के संग निवेश पर सेहो चर्चा आयोजित कयल गेल छल। जाहि मे अनिल राय कोरोना सन महामारी के सामना करबा सेल शुरुआती चेतावनी आ सतर्कता, स्वास्थ्य सुरक्षा आ आगामी चुनौती के सामना करबा मे सहायक उपयोगी विषय पर निवेश केन्द्रित करबाक आवश्यकता पर जोर देलन्हि।

ओना त मिथिला पेंटिंग आब विश्वभरि मे अपरिचित नहिए रहि गेल अछि तथापि जखन भारत सरकार दिस स अकर आधिकारिक तौर पर कोनो अंतरराष्ट्रीय प्रदर्शनी हेतु चयन कयल जाइत अछि त मिथिलाबासी अपना के और बेसी गौरवान्वित होयबाक अनुभूति करैत छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *