भारत-नेपाल के बीच सीमा पर फायरिंग, एक भारतीय के मृत्यु

सीतामढी। भारत-नेपाल सीमा पर तनाव बढ़ि गेल अछि। सीतामढ़ी सीमा पर बढ़ल अहि तनाव के बाद नेपाल पुलिस द्वारा फायरिंग कयल गेल जाहि मे एक भारतीय नागरिक के मृत्यु भ गेलन्हि आ तीन अन्य ग्रामीण घायल छथि। सूचना के अनुसार तीन घायल मे दू गोटे के स्थिति गंभीर छन्हि।

मामला सीमावर्ती सीतामढ़ी के लालबंदी बार्डर के समीप जानकीनगर गामक अछि। खबरि अछि जे नेपाल सीमा मे किछु भारतीय घुसि रहल छलाह, जाहि पर विवाद भ गेल। नेपाल पुलिस के आरोप अछि जे विवाद के बीच किछु भारतीय ग्रामीण द्वारा नेपाल पुलिस के हथियार छीनि भागबाक प्रयास कयल गेल छल, जकर बाद नेपाल पुलिस द्वारा फायरिंग कयल गेल जाहि मे एक व्यक्ति के घटनास्थल पर मृत्यु भ गेलन्हि आ तीन अन्य व्यक्ति घायल भ गेलाह। घटना के बाद सीमा पर तनाव बनल अछि।

कोरोना संक्रमण आ लॉकडाउन के बाद भारत-नेपाल के सीमा सील अछि। तथापि किछु भारतीय नेपाल सीमा मे प्रवेश क रहल छलथि। नेपाल पुलिस द्वारा रोकबाक उपक्रम मे विवाद बढ़ि गेल जकर परिणति फायरिंग के रूप मे भेल।

मृतक व्यक्ति के पहचान जानकीनगर टोल, लालबंदी निवासी २५ वर्षीय डिकेश कुमार के रूप मे भेल अछि जखनकि उमेश राम आ सहोरबा निवासी उदय ठाकुर गंभीर रूप स घायल छथि। दुनु घायल के सीतामढ़ी रेफर क देल गेल अछि। अकर अलावा लगन राय नामक व्यक्ति के नेपाल पुलिस द्वारा पकड़ि लेल गेल अछि।

एहि घटना के बाद तनाव के देखैत भारतीय एसएसबी आ स्थानीय पुलिस लालबंदी बार्डर पर जमल छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *