नई दिल्ली। भारतीय सूचना सेवा आ भारतीय सांख्यिकी सेवा के प्रशिक्षु अधिकारीक एक समूह राष्ट्रपति भवन मे भारतक राष्ट्रपति श्रीमती द्रौपदी मुर्मू सँ भेंट कयलनि।
प्रशिक्षु अधिकारी सभ केँ संबोधित करैत राष्ट्रपति कहलनि जे दुनू सेवाक काज अलग-अलग अछि, मुदा दुनू के उद्देश्य एक्के अछि—शासनक गुणवत्ता बेहतर बनायब आ देशक लोकक सेवा करब।
राष्ट्रपति प्रशिक्षु अधिकारी सभ केँ निरंतर सीखैत रहबाक, बदलैत परिस्थिति अनुसार अपनाकेँ ढालबाक आ नव क्षमता विकसित करबाक सलाह देलनि। ओ कहलनि जे अपन निर्णय मे विवेक, व्यवहार मे करुणा आ कर्तव्य मे सत्यनिष्ठा बनाए राखब आवश्यक अछि।
भारतीय सूचना सेवा पर जोर दैत राष्ट्रपति कहलनि जे सोशल मीडिया आब नागरिकक सूचना प्राप्त करबाक आ अपन प्रतिक्रिया देबाक महत्वपूर्ण माध्यम बनि गेल अछि। अधिकारी सभ केँ सोशल मीडिया के उपयोग केवल सूचना देबाक आ लोक सँ जुड़बाक लेल नहि, बल्कि लोकक चिंता सुनबाक, बुझबाक आ ओकर समाधान करबाक लेल सेहो करबाक चाही।
ओ कहलनि जे सूचना तेजी सँ फैलैत अछि, तेँ सूचना देबाक समय सटीकता, विश्वसनीयता आ जनहित केँ हमेशा प्राथमिकता देबाक चाही।
भारतीय सांख्यिकी सेवा के संदर्भ मे राष्ट्रपति कहलनि जे आजुक डेटा-आधारित दुनियामे सटीक, समय पर आ विश्वसनीय आंकड़ा लोक नीति निर्माणक आधार अछि। अधिकारी सभक काज प्रमाण-आधारित नीति निर्माण मे महत्वपूर्ण योगदान देत।
राष्ट्रपति अधिकारी सभ केँ सलाह देलनि जे नागरिक, शोधकर्ता आ नीति-निर्माता सभक लेल आंकड़ा तक पहुंच आसान बनाउ।
ओ कहलनि जे वर्ष 2047 धरि विकसित भारतक लक्ष्य दिस बढ़ैत भारत मे दुनू सेवाक भूमिका बेसी महत्वपूर्ण होयत आ अधिकारी सभक योगदान देशक विकास यात्रा मे महत्वपूर्ण साबित होयत।
