
पटना। लोक जनशक्ति पार्टी (एलजेपी) केर नेता डॉ. विभय कुमार झा पटना मेँ बिहार सरकारक लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग (PHED) केर मंत्री श्री संजय सिंह सँ शिष्टाचार भेंट कयलनि। एहि अवसर पर डॉ. झा मिथिलाक समृद्ध सांस्कृतिक परंपराक प्रतीक मिथिला पाग आ दोपट्टा भेंट कऽ हुनका सम्मानित कयलनि।
भेंटक दौरान डॉ. विभय कुमार झा मिथिला क्षेत्रमेँ स्वच्छ आ सुचारु पेयजल व्यवस्था केँ लऽ विस्तारसँ चर्चा कयलनि। ओ क्षेत्रक विभिन्न इलाकामेँ पेयजल आपूर्तिक व्यवस्था आओर बेहतर बनेबाक संगहि आवश्यक योजनाक क्रियान्वयनमेँ तेजी आनबाक आग्रह कयलनि।
एहि पर PHED मंत्री संजय सिंह सकारात्मक आश्वासन दैत कहलनि जे राज्य सरकार आम जनताक बेहतर पेयजल सुविधा उपलब्ध कराबय लेल प्रतिबद्ध अछि। हुनका कहलनि जे मिथिला क्षेत्रसँ जुड़ल पेयजल संबंधी मुद्दा पर विभाग गंभीरतासँ काज करत आ आवश्यक कदम उठाओल जाएत।
भेंटक बाद डॉ. विभय कुमार झा आशा व्यक्त कयलनि जे सरकारक सहयोगसँ मिथिला क्षेत्रमेँ पेयजल व्यवस्था आओर मजबूत बनत, जाहिसँ लोकसभ केँ स्वच्छ, सुरक्षित आ निर्बाध पेयजल उपलब्ध भऽ सकत।