
नई दिल्ली। कांग्रेस नेता राहुल गांधी द्वारा मध्य प्रदेश उच्च न्यायालय मे दायर एक मानहानि मामला मे खेद व्यक्त करबाक बाद राजनीतिक बयानबाजी तेज भ’ गेल अछि। भाजपा नेता तेजिंदर पाल सिंह बग्गा एहि मुद्दा पर राहुल गांधी पर निशाना साधैत दावा कएलनि जे कांग्रेस नेता “पएर पकड़ि माफी मंगने छथि”।
ई मामला वर्ष 2018 केर विधानसभा चुनाव प्रचार सँ जुड़ल अछि। झाबुआ मे आयोजित एक चुनावी सभा मे राहुल गांधी कथित रूप सँ कार्तिकेय सिंह चौहान, जे वर्तमान मे केंद्रीय कृषि मंत्री आ मध्य प्रदेशक पूर्व मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहान केर पुत्र छथि, हुनकर नाम ‘पनामा पेपर्स’ विवाद सँ जोड़ि देने छलाह। एहि बयानक विरोध मे कार्तिकेय चौहान राहुल गांधी विरुद्ध मानहानिक मुकदमा दायर कएने छलाह।
हालहि मे मध्य प्रदेश उच्च न्यायालय मे दायर अपन जवाब मे राहुल गांधी स्पष्ट कएलनि जे हुनकर टिप्पणी कार्तिकेय चौहानक संदर्भ मे नहि छल। संगहि, एहि कारणे यदि कोनो भ्रम वा असुविधा उत्पन्न भेल हो तँ ओहि लेल खेद व्यक्त कएलनि।
एहि घटनाक्रमक बाद भाजपा नेता तेजिंदर पाल सिंह बग्गा सोशल मीडिया आ सार्वजनिक मंचसभ पर राहुल गांधी पर हमला बोलैत कहलनि जे कांग्रेस नेता पहिने गंभीर आरोप लगबैत छथि आ बाद मे अदालत मे पहुँचि कए माफी वा खेद व्यक्त करैत छथि। बग्गा एकरा राहुल गांधीक राजनीतिक कार्यशैलीक उदाहरण बतौलनि।
भाजपा एहि मुद्दा पर राहुल गांधी केर विश्वसनीयता पर सवाल उठा रहल अछि। पार्टी के कहब अछि जे बिना पर्याप्त तथ्यक आरोप लगौनाय कांग्रेस नेतृत्वक आदति बनि गेल अछि। दोसर दिस, कांग्रेसक पक्षक कहब अछि जे अदालत मे देल गेल स्पष्टीकरण कानूनी प्रक्रियाक हिस्सा अछि आ भाजपा एकरा राजनीतिक रंग देबाक प्रयास कए रहल अछि।
राहुल गांधीक खेद व्यक्त करबाक मुद्दा आब अदालतक दायरा सँ निकलि राजनीतिक बहसक विषय बनि गेल अछि। एहि मुद्दा पर भाजपा आ कांग्रेसक बीच आरोप-प्रत्यारोपक दौर लगातार जारी अछि।