
बिहारक जमुई जिलाक युवा आविष्कारक रोहित कुमार अपन अद्भुत नवाचार सँ पूरा देशक ध्यान आकर्षित कएने छथि। मात्र दसमीं कक्षा धरि पढ़ाइ कयनिहार रोहित “हाइड्रो लिफ्टिंग टेक्नोलॉजी” विकसित कएने छथि, जाहि सँ अत्यंत कम लागत पर बिजली उत्पादन संभव भ’ सकैत अछि। एहि तकनीकक प्रशंसा IIT केर विशेषज्ञ सभ सेहो कएने छथि। रोहित एहन तकनीक विकसित कएने छथि, जे दुनिया मे सभ सँ सस्ता बिजली उत्पादन प्रणाली मानल जा रहल अछि।
कोना काज करैत अछि ई तकनीकी
जलक पुनः उपयोगक सिद्धांत पर आधारित ई तकनीक जलक पुनः उपयोगक सिद्धांत पर आधारित अछि। एहि प्रणाली मे जलक प्रवाह सँ ऊर्जा उत्पन्न कएल जाइत अछि आ बहुत कम ऊर्जा खर्च कए जल कें फेर सँ ऊपर पहुँचाओल जाइत अछि। एहि कारणे बिजली उत्पादनक लागत काफी घटि जाइत अछि आ ऊर्जा दक्षता बढ़ैत अछि। एहि कारणे बिजली उत्पादनक लागत काफी घटि जाइत अछि आ ऊर्जा दक्षता बढ़ैत अछि।
गाम-घर लेल वरदान बनि सकैत अछि ई खोज
रोहितक ई नवाचार विशेष रूप सँ ग्रामीण आ दूरस्थ क्षेत्र सभ लेल उपयोगी मानल जा रहल अछि, जतय सस्ती आ सतत बिजली उपलब्ध करब चुनौतीपूर्ण होइत अछि। विशेषज्ञक अनुसार ई तकनीक भविष्यमेँ ऊर्जा क्षेत्रमेँ महत्वपूर्ण बदलाव आनयक क्षमता रखैत अछि।
रोहित कुमारक उपलब्धि फेर सँ सिद्ध करैत अछि जे सफलता लेल केवल डिग्री नहि, बल्कि जुनून, मेहनत आ नव सोच आवश्यक अछि। सीमित संसाधनक बावजूद हुनक ई उपलब्धि युवा पीढ़ीक लेल प्रेरणाक स्रोत बनल अछि।