कचरा सँ बनि रहल विकासक राह, दिल्ली मे 148 किमी राजमार्ग निर्माणक बनल नया रिकॉर्ड

नई दिल्ली। एक समय दिल्ली केर सबसँ पैघ पर्यावरणीय चुनौती बनल कचरा केर पहाड़ आब विकासक मजबूत आधार बनि रहल अछि। राजधानी मे पुरान लैंडफिल साइटसभ पर चलि रहल वैज्ञानिक बायो-माइनिंग अभियानक अंतर्गत अखनधरि 14 लाख 40 हजार टन (14.4 लाख टन) कचरा केर सफल निस्तारण कएल जा चुकल अछि। एहि प्रक्रिया सँ प्राप्त निर्माण योग्य सामग्रीक उपयोग क’ 148 किलोमीटर लंबा सड़क आ राजमार्गक निर्माण कएल गेल अछि। एहि पहल सँ एक दिस कचराक पहाड़ लगातार छोट भऽ रहल अछि, तऽ दोसर दिस सड़क निर्माण मे प्राकृतिक संसाधन पर निर्भरता सेहो घटि रहल अछि।
दिल्ली सरकार आ नगर निकायक अनुसार, गाजीपुर, भलस्वा आ ओखला लैंडफिल साइट पर कतेको साल सँ जमा कचरा कें आधुनिक तकनीक सँ छाँटल जा रहल अछि। बायो-माइनिंग प्रक्रिया मे कचरा कें मशीनक माध्यम सँ अलग-अलग श्रेणी मे बाँटल जाइत अछि। एहि प्रक्रिया मे मिट्टी, मलबा, पत्थर आ अन्य निर्माण योग्य सामग्री कें निकालि सड़क निर्माण मे उपयोग कएल जाइत अछि, तत्पश्चात पुनर्चक्रण योग्य वस्तु के अलग कए रिसाइक्लिंग लेल पठाओल जाइत अछि। शेष अनुपयोगी अवशेष के सुरक्षित ढंग सँ निस्तारण कएल जाइत अछि।
एहि अभियानक उद्देश्य मात्र कचरा हटेबाक नहि, बल्कि पुरान लैंडफिल साइटसभ कें पुनः उपयोग योग्य बनायबऽ सेहो अछि। लगातार कचरा हटबाक कारणे लैंडफिलक ऊँचाई कम भऽ रहल अछि, जाहि सँ आगि लगबाक घटना, विषाक्त धुआँ, दुर्गंध आ भूजल प्रदूषण सन समस्या मे सेहो कमी आबि रहल अछि। एकर सीधा लाभ आसपास रहनिहार लाखो लोक के भेटि रहल अछि।
विशेषज्ञसभक मानब अछि जे सड़क निर्माण मे पुनर्चक्रित सामग्रीक उपयोग सँ प्राकृतिक पत्थर, बालू आ अन्य निर्माण सामग्रीक मांग घटैत अछि। एकर परिणामस्वरूप खनन पर दबाव कम होइत अछि आ निर्माण लागत मे सेहो बचत होइत अछि। पर्यावरण संरक्षण आ सतत विकासक दृष्टि सँ ई मॉडल देशक अन्य शहर लेल सेहो प्रेरणादायक मानल जा रहल अछि।
सरकारक लक्ष्य दिल्लीक तीनू प्रमुख कचरा पहाड़ के चरणबद्ध रूप सँ समाप्त करबाक अछि। एहि अभियानक माध्यम सँ राजधानी ‘वेस्ट टू वेल्थ’ अर्थात “कचरासँ संपदा” केर अवधारणा के व्यवहारिक रूप दैत पर्यावरण संरक्षण आ आधारभूत संरचनाक विकास—दूनू लक्ष्य एक संग हासिल करबाक दिशा मे तेजी सँ आगाँ बढ़ि रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *