
खंडवा। भारतक राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मु शुक्र दिन 19 जून 2026 केँ मध्य प्रदेशक ओंकारेश्वरमे आयोजित अंतरराष्ट्रीय सिकल सेल दिवस कार्यक्रममे सहभागी भेली। एहि अवसर पर संबोधित करैत राष्ट्रपति कहलनि जे स्वास्थ्य क्षेत्रक एक महत्वपूर्ण चुनौतीक समाधान लेल ई विशेष कार्यक्रम सार्थक प्रयास अछि।
राष्ट्रपति प्रसन्नता व्यक्त करैत कहलनि जे राष्ट्रीय सिकल सेल एनीमिया उन्मूलन मिशन अंतर्गत स्क्रीनिंगक लक्ष्य निर्धारित समय सँ पहिनहि पूरा कए लेल गेल अछि। हुनकर अनुसार नवजात शिशु सँ लऽ कऽ 40 वर्ष धरिक लगभग सात करोड़ लोकक स्क्रीनिंग कएल जा चुकल अछि, जे एकटा असाधारण उपलब्धि अछि। ओ कहलनि जे ई पहल विश्वमे आनुवंशिक रोगक जांच-पड़तालक सभसँ पैघ अभियानसभमे सँ एक मानल जा सकैत अछि।
राष्ट्रपति कहलनि जे मिशन मोडमे कएल गेल व्यापक स्क्रीनिंगक परिणामस्वरूप आब धरि करीब ढाई लाख लोकमे सिकल सेल रोग चिन्हित कएल जा चुकल अछि, जखनकि 20 लाख सँ अधिक कैरियर (वाहक) केर सेहो पहचान कएल गेल अछि। ओ एहि रोगक वाहकसभक बड़ी संख्यासँ उत्पन्न होमयवला चुनौतीसभकेँ गंभीरतापूर्वक बुझबाक आवश्यकता पर जोर देलनि।
द्रौपदी मुर्मु केंद्र आ राज्य सरकारसभक प्रशंसा करैत कहलनि जे सिकल सेल रोगी आ वाहकसभक पहचानक संग-संग हुनकर समुचित स्वास्थ्य देखभाल सुनिश्चित करबाक दिशा मे सेहो महत्वपूर्ण काज कएल जा रहल अछि।
ओ कहलनि जे मध्य प्रदेश सरकार “स्वस्थ नारी, सशक्त परिवार अभियान” अंतर्गत 17 सितंबर सँ 2 अक्टूबर 2025 धरि चलल विशेष अभियानमे चार लाख सँ अधिक महिलाक सिकल सेल स्क्रीनिंग कऽ एकटा उल्लेखनीय कीर्तिमान स्थापित कएने अछि। ई पहल सिकल सेल उन्मूलनक राष्ट्रीय अभियानमे महत्वपूर्ण योगदान मानल जा रहल अछि।
राष्ट्रपति एहि बातक सेहो उल्लेख कएलनि जे मध्य प्रदेश सरकार बीतल वर्ष विश्व सिकल सेल दिवस क अवसर पर “सिकल मित्र” पहल शुरू कएने छल। एहि पहलक तहत जागरूकता बढ़ेबाक आ रोगीसभकेँ सहायता प्रदान करबाक उद्देश्य सँ सरकारी-गैरसरकारी संस्था, स्वयंसेवी संगठनक प्रतिनिधि आ एनसीसी कैडेटसभकेँ प्रशिक्षित कएल जा रहल अछि।
राष्ट्रपति विश्वास व्यक्त कएलनि जे देशक सभ राज्यक संयुक्त प्रयास, सक्रिय सहभागिता आ जन-जागरूकताक बल पर भारत 2047 सँ बहुत पहिने सिकल सेल रोग उन्मूलनक राष्ट्रीय लक्ष्य हासिल करबा मे सफल होएत।
ओ कहलनि जे सिकल सेल एनीमिया जेकाँ आनुवंशिक रोगक खिलाफ लड़ाइ केवल सरकारी कार्यक्रम नहि, बल्कि समाजक सामूहिक दायित्व सेहो अछि, आ एहि दिशामे सबहक सहयोग अत्यंत आवश्यक अछि।