दिल्ली पुलिसक बुराड़ीमे पैघ ऑपरेशन, हथियार आ अवैध शराब संग कतेको गिरफ्तार

नई दिल्ली। उत्तरी जिला दिल्ली पुलिस अपराधक प्रति अपन ‘जीरो टॉलरेंस’ नीति के तहत बुराड़ी इलाकामे विशेष कॉम्बिंग आ सर्च ऑपरेशन चला कए अपराधी तत्वसभ पर पैघ कार्रवाई केलक अछि। एहि सघन अभियानसँ इलाकामे अपराधीसभक बीच हड़कंप मचि गेल आ स्थानीय सुरक्षाक माहौल आरो मजबूत भेल अछि।

डीसीपी (नॉर्थ) राजा बांठिया आ एडिशनल डीसीपी रविनंदन बी.एम. केर मार्गदर्शनमे 28 अप्रैल 2026 कऽ साँझ 7:30 बजेसँ मध्यरात्रि धरि चलल एहि पाँच घंटाक ऑपरेशनमे उत्तरी जिलाक अलग-अलग थाना सँ करीब 150 पुलिसकर्मी भाग लेलथि, जाहिमे 20 महिला पुलिसकर्मी सेहो शामिल रहलीह।

एसीपी बुराड़ी शशिकांत गौड़ आ एसएचओ गिरीश चंद्र रतुड़ी केर नेतृत्वमे कुल 26 टीम गठित कएल गेल। एहि टीमसभमे सर्च, पेट्रोलिंग, पिकेटिंग आ गिरफ्तारी टीम शामिल छल।

अभियानक दौरान पुलिस आर्म्स एक्ट तहत पाँच आरोपी—निखिल (बाबा कॉलोनी), निखिल (तोमर कॉलोनी), रोहित, आदित्य आ गौरव—केर गिरफ्तार केलक। हुनकरा सभक कब्जासँ एक देसी कट्टा आ चारि धारदार चाकू बरामद कएल गेल।

एहिसँ अतिरिक्त अवैध शराबक कारोबारमे संलिप्त काका, सागर आ अमित नामक तीन युवककेँ सेहो गिरफ्तार कएल गेल। पुलिस हुनकरा सभक पास सँ 650 क्वार्टर अवैध शराब जब्त केलक।

कार्रवाईक क्रममे पुलिस बिना नंबर प्लेट आ वैध दस्तावेज विहीन 19 दोपहिया वाहन सेहो जब्त केलक। संगहि 118 संदिग्ध व्यक्ति केँ हिरासतमे लेल गेल, जखन कि सार्वजनिक स्थान पर शराब सेवन आ अन्य निवारक धाराक तहत सेहो कार्रवाई कएल गेल।

दिल्ली पुलिसक एहि रणनीतिक घेराबंदी आ व्यापक तलाशी अभियानसँ स्पष्ट संकेत भेटल अछि जे अपराधी तत्वक विरुद्ध सख्त कार्रवाई लगातार जारी रहत। स्थानीय नागरिकसभ पुलिसक एहि पहलकेँ स्वागत करैत सुरक्षा व्यवस्था लेल महत्वपूर्ण कदम बतौलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *