कि अछि कोरोना के ज्योतिषीय कनेक्शन ?

पंकज कुमार

आई काल्हि सभ किओ चारूकात कोरोना कोरोना कय रहल अछि। एहन मे ई सवाल उठैत अछि जे कि एकर कोनो ज्योतिषीय कनेक्शन छैक ? जदि हां, त कि ? ज्योतिषीय विश्लेषण के आधार पर गप्प करी त कहि सकैत छी जे 20 दिसंबर 2019 क मंगल ग्रह जखन तुला राशि में प्रवेश केलाह तखन कोरोना वायरसक जन्म भेल मुदा विस्तार क लेल अन्य ग्रहक समर्थन चाहि । 26 दिसंबर 2019 क जखन सूर्य ग्रहण भेल तखन कोरोना वायरसक विस्तार भेल, कियाक मंगल आ शुक्र के छोरि सब ग्रह दुषित छला।
25 जनवरी 2020 क जखन शनि मकर राशि में गेला तखन कोरोना वायरस स मृत्यु दर में अत्यंत वृधि भेल कारण शनि कालपुरुषक कुंडली में शनि महाराज क दृष्टि मारक भाव पर परलाइन शनि जनता क प्रतिनिधित्व करै छैथ।
8 फरवरी 2020 क वासुकी कालसर्प दोष क निर्माण भेल आ केतु नक्षत्र क स्वामी शुक्र स अपन नक्षत्र में चल गेला। केतु कोरोना वायरस क प्रतिनिधित्व करत अछि आ औरो मजबूत भगेल छला ताहि फलश्वरूप कोरोना वायरस क मृत्यु दर में अत्यंत बढ़ोत्तरी भेल। ताहि प्रकार, बृहस्पति शुक्र क नक्षत्र स सूर्य क नक्षत्र में चल गेला और दुषित भगेला। कोरोना वाइरस क विस्तार में बृहस्पति महाराज क त्यन्त महत्वपूर्ण भूमिका छैन। बृहस्पति महाराज अपन नैशर्गिक मित्र मंगल क धनु राशि में प्रवेश स बृहस्पति महाराज क सहयोग प्रापत भेलैन।

कोरोना वाइरस क विस्तार म कमी चरण 1: 25 मार्च 2020 क जखन मंगल धनु स मकर राशि में चैल गेला, बृहस्पति महाराज अपन नैशर्गिक मित्र मंगल क समर्थन छुट गेलैन।

कोरोना वाइरस क विस्तार म कमी चरण 2: 31 मार्च 2020 क जखन बृहस्पति महाराज धनु राशि स मकर राशि म चैल जेता तखन शक्तिहीन भ जाइत आ कोरोना वायरस क विस्तार म भारी कमी आयत।

कोरोना वाइरस क विस्तार म कमी चरण 3: 15 अप्रैल 2020 क जखन सूर्य मेष राशि म चैल जेता | सूर्य आरोग्य क प्रतिनिधित्व करत अछि, तखन कोरोना वाइरस क विस्तार म भारी कमी होय क संभावना अछि।

कोरोना वाइरस क विस्तार म कमी चरण 4: 23 अप्रैल 2020 क अतिरंजित राहु अपन नक्षत्र आर्द्रा सं मृगशिरा नक्षत्र (मंगल क स्वामी) क ओर जायत तखन एक दोसर क शत्रु बैन जेता, फेर कोरोना वायरस क विस्तार म औरो कमी होय क संभावना अछि।

भारतवर्ष क कोरोना स मुक्ती: 28 अप्रैल 2020 क जखन बृहस्पति महाराज उतराषाढा नक्षत्र (नक्षत्र स्वामी सूर्य) म प्रवेश करता आ मंगल अपन नक्षत्र धनिष्ठा म प्रवेश क कोरोना क प्रभाव पूर्ण रूप स रुकवाक संभावना होयत ।


(लेखक ज्योतिष के जानकार छथि।)

One thought on “कि अछि कोरोना के ज्योतिषीय कनेक्शन ?

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *