
नई दिल्ली। तेसर स्वामी दयानंद सरस्वती टी20 क्रिकेट टूर्नामेंट में इंदिरा गाँधी इंस्टीट्यूट ऑफ फिजिकल एजुकेशन एंड स्पोर्ट्स साइंसेस (आईजीआईपीईएसएस) शानदार प्रदर्शन करैत श्याम लाल कॉलेज के 100 रन सँ पराजित कए देलक।
आईजीआईपीईएसएस दिस सँ हर्षित अनेजा (65 रन, 23 गेंद, 8 चौका, 5 छक्का) आ दीपान्शु (52 रन, 25 गेंद, 7 चौका, 2 छक्का) के दमदार अर्धशतकीय पारी खेलल गेल। गेंदबाजी में कार्तिक कालरा 3 विकेट लैत महत्वपूर्ण योगदान देलथि। हर्षित अनेजा के “मैन ऑफ द मैच” पुरस्कार डॉ. मुकेश कुमार द्वारा देल गेल।
पहिने बल्लेबाजी करैत आईजीआईपीईएसएस 20 ओवर में 8 विकेट पर 260 रन बनौलक। जवाब में श्याम लाल कॉलेज के टीम 160 रन पर ऑल आउट भ’ गेल। हारल टीम दिस सँ अस्मित पंवार 36 रन आ रवि राज 29 रन बनौलथि, जबकि संदीप 37 रन देके 4 विकेट लेलथि।
दोसर मैच में डीसीएसी के जीत
एक अन्य मुकाबला में सुयश प्रताप (77 रन, 42 गेंद, 10 चौका, 5 छक्का) के शानदार पारी आ मनित वर्मा (3/17) तथा अराधुआ सती (3/26) के घातक गेंदबाजी सँ डीसीएसी, आरएलएसी के 72 रन सँ हरा देलक।
सुयश प्रताप के “मैन ऑफ द मैच” पुरस्कार कोच उदय गुप्ते आ डॉ. पावन डबास द्वारा देल गेल। डीसीएसी टीम 20 ओवर में 182 रन पर ऑल आउट भ’ गेल, जबकि लक्ष्य के पीछा करैत आरएलएसी 16.3 ओवर में 110 रन पर सिमट गेल। आरएलएसी दिस सँ तन्मय चोपड़ा 22 रन बनौलथि, जबकि अंकित 3 विकेट आ अंशुल 2 विकेट लेलथि।