दरभंगा के तीन ऐतिहासिक पोखरि पर अतिक्रमण मामला मे सुप्रीम कोर्ट द्वारा गम्भीर चिंता व्यक्त

नई दिल्ली। भारत के सुप्रीम कोर्ट द्वारा दरभंगा जिला स्थित तीन ऐतिहासिक पोखरि के भराई आ अतिक्रमण के गंभीर मामला पर सख्त टिप्पणी करैत संबंधित प्राधिकरण सँ जवाब मांगल गेल अछि।

रिट याचिका (सिविल) संख्या 362/2026, जे “तालाब बचाओ अभियान” द्वारा दायर कयल गेल अछि, पर सुनवाई करैत न्यायमूर्ति विक्रम नाथ आ न्यायमूर्ति संदीप मेहता के पीठ एहि बात पर गहरी चिंता व्यक्त केलक जे गंगासागर, दिग्घी आ हराही नामक जलस्रोत के सुनियोजित रूप सँ भरल आ अतिक्रमण कयल जा रहल अछि।
अदालत प्रतिवादी सभ के नोटिस जारी कएने अछि आ अगिला सुनवाई के तारीख 2 मई 2026 निर्धारित कएने अछि।

एहि मामला में याचिकाकर्ता “तालाब बचाओ अभियान” के पक्ष सँ सुप्रीम कोर्ट के अधिवक्ता कमलेश कुमार मिश्रा, आ अधिवक्ता रेनू आ अधिवक्ता स्वगत द्वारा बहस कयल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *